Font by Mehr Nastaliq Web

आँजुर भरि कचनारक फूल

anjur bhari kachnarak phool

मार्कण्डेय प्रवासी

मार्कण्डेय प्रवासी

आँजुर भरि कचनारक फूल

मार्कण्डेय प्रवासी

और अधिकमार्कण्डेय प्रवासी

    आँजुर भरि कचनारक फूल—

    भिनसरे सूर्य अछि बँटैत,

    देखि-देखि पश्चिमी बसात—

    जानि नहि किएक अछि नचैत...!

    मेघसँ झाँपल

    क्षितिजक गैरिक किरण

    शैशवक सतैसा ग्रह झेलत

    ताड़क गाछक

    खोंतामे पिहुआ मैना

    कालवत् बिहाड़िसँ खेलत

    राति-दिन अनेरुआ बबूर,

    व्यर्थ सिङरहारकेँ डँटैछ...!

    पोखरिमे

    लालशरक जोड़ी

    रक्त-कमलसँ किछु पूछै अछि

    सितुएमे

    बन्न भेल मोती

    जल, थल, गगनक मुँह दूसै अछि

    आतुर क्षण भेल अछि सिनूर,

    चुटकी धरि सिउँथकेँ अनैछ...!

    कल्पनाक गागरि

    लेने आँखिक राधा

    शून्यताक छातीपर नाचत

    लोकक आलोकमे

    दिव्य महाकाव्यक

    सर्गकेँ निसर्ग धरि बाँचत

    सत्यो सपनेक आत्म-रूप,

    आइ साफ-साफ अछि लगैत!

    आँजुर भरि कचनारक फूल—

    भिनसरे सूर्य अछि बँटैत...!!

    स्रोत :
    • पुस्तक : हम भेटब (मैथिली गीत-नवगीत संग्रह) (पृष्ठ 42)
    • रचनाकार : मार्कण्डेय प्रवासी
    • प्रकाशन : जखन-तखन, दरभंगा
    • संस्करण : 2004

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY