Font by Mehr Nastaliq Web

एक बेर फेर

कृष्णमोहन झा

अन्य

अन्य

और अधिककृष्णमोहन झा

    आइ एक बेर फेर

    केबाड़ खोलिकऽ हम ठाढ़ छी चुपचाप

    नहि

    बाहर केओ नहि अछि कतहुँ

    ने मनुक्ख ने चिड़ै चुनमुनी ने हवा-बसात ने तकर गंध

    पानि पातसँ अलग-थलग ऋतु सभ

    अपनहि स्मृतिमे चिहकि रहल अछि

    रहल-सहल गाछ-वृक्ष

    अभिशप्त विधुर जकाँ ठाढ़ अछि निर्वाक

    बुझाइत अछि

    जे चीज सभक अर्थ

    सुखक बिहाड़िसँ विरक्त भऽ कऽ

    फेर अपन आदिम रहस्यमे घूरि गेल अछि निःशब्द

    अइ आँठि धोधरिमे आब

    निरर्थकताक जुआरि उठि रहल अछि

    कतहुँ बिड़रो जकाँ उठि रहल अछि अट्टहास

    कतहुँ रुदन प्रपातक अऽढमे खसि रहल अछि

    कतहुँ ओंघड़ायल अछि पाथर सन निस्सन सन्नाटा

    आब ककरासँ पूछी जाकऽ

    जे अइ सभक बीचमे अछि कोन तरहक सम्बन्ध

    नहि जानि

    अपनासँ भागबाक कोनो अज्ञात हठ थिक हमर

    कि किनकोसँ भेंट करबाक एक टा आस

    कि बेर-बेर केबाड़ खोलिकऽ हम

    ठाढ़ भऽ जाइत छी चुपचाप

    हरसाइत पबै छी

    जे मारिते रास अनठेकान लोक सभक जूताक धूरा-गर्दा

    कतय जाउ की करू

    हमर केबाड़ खोलबाक प्रतीक्षामे अछि अनंत कालसँ ठाढ़

    स्रोत :
    • पुस्तक : एकटा हेरायल दुनिया (पृष्ठ 65)
    • रचनाकार : कृष्णमोहन झा
    • प्रकाशन : अंतिका प्रकाशन
    • संस्करण : 2020

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY