प्रवत्स्यत्पतिका-(2)
prvatsyatpatika (2)
आइ सरस छथि श्याम-घन,
साओन जीवन देल।
असरस मन घनश्याम बिनु,
सजहि, न जे बस भेल॥
अनुखन नाचथि चञ्चला,
बजबथि मेघ मृदङ्ग।
पिया, पिया पपिहा रटथि,
हमर कँपै अछि अङ्ग॥
छी कदम्ब तर ठाढ़ सखि, आइ इहो हँसि लेथु।
हमरो दिन कहिओ घुरए, सदय बनथु, वर देथु॥
- पुस्तक : भुवनेश्वर सिंह ‘भुवन’ रचना-संचयन (पृष्ठ 78)
- संपादक : अजीत मिश्र
- रचनाकार : भुवनेश्वर सिंह ‘भुवन’
- प्रकाशन : साहित्य अकादेमी, नई दिल्ली
- संस्करण : 2024
Additional information available
Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.
About this sher
rare Unpublished content
This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.