ढोल पर जे थाप पड़लै सभ सुनलकै
Dhol par je thaap paDalai sabh sunalakai
आनन्द मोहन झा
Anand Mohan Jha
ढोल पर जे थाप पड़लै सभ सुनलकै
Dhol par je thaap paDalai sabh sunalakai
Anand Mohan Jha
आनन्द मोहन झा
और अधिकआनन्द मोहन झा
ढोल पर जे थाप पड़लै सभ सुनलकै
चाम पर जे बीत रहलै, के देखलकै?
चान सबहक अँगना उतरत, योजना छल
आस द' क' दीप सभटा के मिझेलकै?
प्रेमसँ गरदनि गरीबक रेत रहलै
ई एहेन होशियार चिकबा के चुनलकै?
बिन बिआहल फेर बुधनी रहि गेलै
पार भेलै बयस चालीस के सोचलकै?
ई व्यवस्था, प्रेमकेँ नहि मोल बुझलक
तेँ कवि प्रतिरोधमे कविता लिखलकै।
- पुस्तक : तेँ ओ बजलैए (पृष्ठ 22)
- रचनाकार : आनन्द मोहन झा
- प्रकाशन : नवारम्भ, मधुबनी/पटना
- संस्करण : 2023
Additional information available
Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.
About this sher
rare Unpublished content
This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.