घर घरेक आगिसँ अछि जरल जा रहल
ghar gharek agisan achhi jaral ja rahal
घर घरेक आगिसँ अछि जरल जा रहल
भाइसँ भाइ द्वेषे भरल जा रहल।
कोन आयल जमाना जुआरी एतय
भावना अविवेकी बनल जा रहल।
क्षुब्ध धरती गगन नयन मूनल अपन
अछि बसातो बलाती बनल जा रहल।
फूल-काँटमे अन्तर कयनिहार जे
ओ चमन छोड़िकऽ अछि चलल जा रहल।
के कहत चोरकेँ चोर सभ चोर अछि
आइ रामोसँ चोरी कयल जा रहल।
- पुस्तक : कान्ह पर लहास हमर [मैथिली गजल संग्रह] (पृष्ठ 1)
- रचनाकार : कलानन्द भट्ट
- प्रकाशन : किसुन संकल्प लोक, सुपौल
- संस्करण : 1983
Additional information available
Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.
About this sher
rare Unpublished content
This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.