सभटा स’ख मोनक हुलास बाँचल रहय
sabhta sa’kha monak hulas banchal rahay
सभटा स’ख मोनक हुलास बाँचल रहय
एहिना गीत-गजलक पियास बाँचल रहय।
चारू कात पसरल एहि अकाबोनमे कत्तौ
तुलसी, नीम, पीपड़, पलाश बाँचल रहय।
झाँपै मेघ सुरुजकेँ अन्हार हो सौंसे
एकटा दीप जरै सगरे उजास बाँचल रहय।
आँखिसँ आँखि मिलाक' सवाल पूछि सकी
एतबा हिम्मति, साहस, प्रयास बाँचल रहय।
सिहन्ता नहि छल जथा-जमीन महल-अटारीकेँ
दाना पेटमे, तन पर कपास बाँचल रहय।
- पुस्तक : तेँ ओ बजलैए (पृष्ठ 53)
- रचनाकार : आनन्द मोहन झा
- प्रकाशन : नवारम्भ, मधुबनी/पटना
- संस्करण : 2023
Additional information available
Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.
About this sher
rare Unpublished content
This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.