मधुबनी के रचनाकार
कुल: 23
चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’
- जन्म : मधुबनी
मैथिलीक समादृत कवि-लेखक। अपन हास्य-व्यंग्य प्रधान रचना सभक लेल बेस चर्चित। साहित्यक प्रायः सभ विधामे लेखन। ‘मैथिली पत्रकारिताक इतिहास’ पुस्तक लेल विशेष रूपसँ उल्लेखनीय। मैथिलीक महत्वपूर्ण पत्रिका ‘वैदेही’ आ ‘स्वदेश’क संपादन। साहित्य अकादमी पुरस्कारसँ सम्मानित।
नीरजा रेणु
- जन्म : नवटोल
मैथिलीक सुपरिचित कवियित्री-कथाकार। साहित्य अकादमी पुरस्कारसँ सम्मानित।
श्याम दरिहरे
- जन्म : मधुबनी
मैथिलीक समादृत कवि-कथाकार। साहित्य अकादमी पुरस्कारसँ सम्मानित। हिन्दियोमे लेखन।
गंगेश गुंजन
- जन्म : पिलखबाड़
मैथिलीक समादृत कवि-कथाकार। हिंदीमे सेहो लेखन। 'साहित्य अकादेमी' पुरस्कारसँ सम्मानित।
बुद्धिनाथ झा
- जन्म : नागदह
मैथिलीक सुप्रसिद्ध कवि। अपन हास्य-व्यंग्यक लेल बेस चर्चित। ‘ॐ महाभारत’ सन महाकाव्यक रचनाकार।
गंगानाथ झा
भारतीय दर्शन, बौद्ध दर्शन और संस्कृत के विद्वान अध्येता। संस्कृत दर्शन साहित्य के अनुवाद में विपुल योगदान।
आनन्द मोहन झा
- जन्म : मधुबनी
मैथिलीक सुपरिचित कवि-गीतकार-गजलकार। अपन गीत-गजलक लेल मैथिलीक मंच सभपर बेस चर्चित। हिंदियोमे लेखन।
अरुण चंद्र राय
- जन्म : मधुबनी
सुपरिचित कवि। 'खिड़की से समय' और 'झारखंड एक्सप्रेस' शीर्षक से दो कविता-संग्रह प्रकाशित।
दीप नारायण
- जन्म : मधुबनी
मैथिलीक सुपरिचित युवा कवि। ‘अनुप्रास’ पत्रिकाक संपादन। साहित्य अकादमी युवा पुरस्कारसँ सम्मानित।
रामकृष्ण परार्थी
- जन्म : मधुबनी
मैथिलीक सुपरिचित कवि-लेखक। अपन दलित-विमर्शक रचना सभक लेल उल्लेखनीय।