मधुबनी के रचनाकार
कुल: 10
चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’
- जन्म : मधुबनी
मैथिलीक समादृत कवि-लेखक। अपन हास्य-व्यंग्य प्रधान रचना सभक लेल बेस चर्चित। साहित्यक प्रायः सभ विधामे लेखन। ‘मैथिली पत्रकारिताक इतिहास’ पुस्तक लेल विशेष रूपसँ उल्लेखनीय। मैथिलीक महत्वपूर्ण पत्रिका ‘वैदेही’ आ ‘स्वदेश’क संपादन। साहित्य अकादमी पुरस्कारसँ सम्मानित।
श्याम दरिहरे
- जन्म : मधुबनी
मैथिलीक समादृत कवि-कथाकार। साहित्य अकादमी पुरस्कारसँ सम्मानित। हिन्दियोमे लेखन।
आनन्द मोहन झा
- जन्म : मधुबनी
मैथिलीक सुपरिचित कवि-गीतकार-गजलकार। अपन गीत-गजलक लेल मैथिलीक मंच सभपर बेस चर्चित। हिंदियोमे लेखन।
दीप नारायण
- जन्म : मधुबनी
मैथिलीक सुपरिचित युवा कवि। ‘अनुप्रास’ पत्रिकाक संपादन। साहित्य अकादमी युवा पुरस्कारसँ सम्मानित।