Font by Mehr Nastaliq Web

उन्मेष

unmesh

ओ आओत

ने रहत बान्हल इतिहासक सीमा सँ

ने धर्मग्रंथ सभक डरीड़ मे घेरल

ओ आओत

अपन शरीर आ आत्मा दुनूक

स्वतंत्र घोषणा बनि

ओकर हाथ मे किताब अछि

मुदा किताबक आखर आब

कोनो एकमात्र सत्यक दूत नहि

ओ ज्वलंत प्रश्नक स्रोत अछि

ओ सभ विचार केँ

तोड़िक' देखैत अछि

अपना तरहेँ जोड़ि

फेर सँ गढ़बाक

रखैत अछि क्षमता

अपनहि अर्थ सँ

ओ बुझि गेल अछि

शोषणक वस्तु मात्र

नहि भ' सकैत अछि आ ओकर देह

आ मुक्तिक गीत सेहो

गाबय अछि अबैत आब ओकरा

ओ जनैत अछि

कोनो दुख सँ टुटैत अछि जखन हृदय

तँ मात्र दर्द नहि

एकटा स्वर सेहो होइत अछि आब मुखरित

जे करैत अछि जागृत संभावना केँ

आजुक स्त्री

अपन नेना मे बिताओल

सुखक राग नहि अछि अलापैत

नवका दुख संग

नव इतिहास ठाढ़ करैत अछि

ओ नेना मे जनैत छल खेलाबय

तँ ओ आब लड़ब सेहो जनैत अछि

ओकर चारूकात ओकरहि सोझाँ

पुरान विमर्श ढहि रहल अछि

घर आ बाहरक प्रश्न

आ ओकरा लेल

ओ जतय ठाढ़ अछि

वैह केन्द्र बनि जाइत अछि

ने कोनो परदा रहल झँपबा लेल

ने कोनो छहरदीवारी ओकरा रोकबा लेल

बस दूर तक अपन बल पर

अपना केँ ठेकानैत

जतय ओ अपन ठेग सँ

पृथ्वी सँ अन्तरिक्ष धरि

नापि लेबाक दम अछि रखने

ओकर आवाज

ने अछि घोषणा-पत्र

ने विलाप

ओ स्वयं आब

एकटा स्वर अछि

जे आब बोली नहि

अर्थपूर्ण भाषा बनि गेल अछि

ओ आब कोनो आइनाक सोझाँ

ठाढ़ भ' क'

नहि पुछैत अछि

'के छी हम?'

ओकरा उत्तर बुझल अछि

अपन अस्तित्वक रक्षा करय

आबि गेल अछि

ओ चीन्हि गेल अछि

अपन पहिचान

बिना कोनो स्थायी बंधनक

धार जकाँ अनवरत बहैत

सभ मोड़ पर

स्वयं एकटा नव मार्ग ताकि लैत अछि

ओ परम्पराक अनगिनत मिथक केँ

खोलि सकैत अछि

विज्ञान आ जादू-टोना दुनूक

सत्यताक केँ अपना पाछू

ल' क' चलि सकैत अछि

बिना कोनो बन्हन्नक

मात्र अपन दिशा तकैत अछि

उत्तर आधुनिक स्त्री

एकटा अनन्त प्रश्न अछि

स्वयं एकटा सम्पूर्ण उत्तर संग

मीलो-मील अनवरत यात्रा।

स्रोत :
  • पुस्तक : अकादारून (मैथिली कविता-संग्रह) (पृष्ठ 44)
  • रचनाकार : निक्की प्रियदर्शिनी
  • प्रकाशन : नवारम्भ, पटना/मधुबनी
  • संस्करण : 2025

Additional information available

Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

OKAY

About this sher

Close

rare Unpublished content

This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

OKAY