Font by Mehr Nastaliq Web

उद्घोष : एकटा प्रेम कविता

udghosh ha ekta prem kavita

निक्की प्रियदर्शिनी

निक्की प्रियदर्शिनी

उद्घोष : एकटा प्रेम कविता

निक्की प्रियदर्शिनी

और अधिकनिक्की प्रियदर्शिनी

    हे प्रिय!

    मोन मे जे चलैत अछि

    वैह थिक हमर सर्वस्व

    नहि आनि ठोर पर भाव

    जीबैत रहलहुँ अभाव मे

    छोड़ि देल जीवन जीयब

    मुदा अपन कर्तव्य बुझि

    शरीरक भार सहि

    झुकबैत रहलहुँ शरीर केँ

    प्रेम केँ बचा राखब

    ओहि केँ स्वभाव बुझि

    हे प्रिय!

    देहक आगि सँ

    बचबैत रहलहुँ देह केँ

    हिलैत डारिक झूला केँ

    बयारक प्रहार बुझि

    प्रकृतिक परिवर्तन मानि

    अपना पर अंगेजैत रहलहुँ

    साँस केँ तेज देखि

    केओ भेदि देलक मन केँ बुझि

    सपनाक रंगीन संसार देखि

    धौजनि हम मनबैत रहलहुँ

    झुकल नयन केँ फेर देखि

    जिनगीक बाट पर हम

    आस ओछबैत रहलहुँ

    हे प्रिय!

    मुदा कियो ल' लेत परीक्षा

    मोन केँ परेखि

    मोनक कैनवास पर

    नवका चित्र बनायब कहियो

    जीवन अछि बहुमूल्य हमर

    से झाँकिक' देखि लेत कियो

    असीम अनन्त धरि

    संग उड़बाक लेल

    आब घर सजायब हम

    सत्य ओ भाव थीक जे

    अभरैत रहत तर्क बुझि

    टूटी नहि जानि से बन्धन मे

    आब बन्हाय लागल छी

    सभक जीवन सजल जीवन

    अपन एहि मनोरथ मे।

    हे प्रिय!

    ई कोन उद्घोष कयल

    जाहि मे हमर जिनगीक गहन अन्हार सेहो

    चमकय लागल अछि

    जाहि मे हम देखय लागल छी

    अपन बिझायल सपना सभ केँ

    फड़ैत-फुलाइत

    जाहि मे एहि मौलायल सिंगरहार

    आ ठुट्ठ मालदहक हरियरी

    घूरि रहल छैक।

    हे प्रिय!

    ई कोन उद्घोष कयल

    जाहि मे हेलैत-चुभकैत आब

    कहियो थाकय नहि चाहैत छी

    ई कोन उद्घोष कयल प्रिय!

    स्रोत :
    • पुस्तक : अकादारून (मैथिली कविता-संग्रह) (पृष्ठ 57)
    • रचनाकार : निक्की प्रियदर्शिनी
    • प्रकाशन : नवारम्भ, पटना/मधुबनी
    • संस्करण : 2025

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY