Font by Mehr Nastaliq Web

धर्मसत्ता

dharmasatta

विकास वत्सनाभ

विकास वत्सनाभ

धर्मसत्ता

विकास वत्सनाभ

और अधिकविकास वत्सनाभ

    राजसत्ता सभ अपन विस्तारक लेल

    धर्मकें औजार बनौलक

    खून-खुनामय होइत रहल तारीख

    कहियो मसजिदकें तोड़ि बनाओल गेल मंदिर

    कहियो मंदिरकें तोड़ि मसजिद

    जहिया जकर जतेक जोरगर रहलैक तलवार

    तहिया तकर झंडाक रंग चमकलैक ततेक बेसी

    इतिहास गवाह अछि एकर

    ने अल्लाह सलामत रखलनि कोनो राजसत्ता

    ने ईश्वर विजय दिऔलनि मंदिर बनेनिहारकें

    गेरुआ चादरिपर तमसायल कारी हनुमान

    पहिचान बनि गेल सनातन अस्मिताक

    मजारक हरियर चादरि

    ओढ़ना बनि गेल कट्टर जिहादीक

    मंदिर-मसजिदक पाँजरमे

    एक टा अस्पताल बनाओल जयबाक चाही

    जतय मंदिर-मसजिद बनैत अछि

    अस्पतालक खगता बढ़ि जाइत अछि ततय

    निर्माण विध्वंसक एहि दारुण समयमे

    एहन बहुत किछु टूटल अछि

    जे जोड़ल नहि जाय सकत कहुना

    स्रोत :
    • पुस्तक : नेपथ्यसँ अबैत हाक (पृष्ठ 60)
    • रचनाकार : विकास वत्सनाभ
    • प्रकाशन : किसुन संकल्प लोक, सुपौल
    • संस्करण : 2025

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY