Font by Mehr Nastaliq Web

लाल ओसक बुन्न

laal osak bunn

गुफरान जीलानी

गुफरान जीलानी

लाल ओसक बुन्न

गुफरान जीलानी

और अधिकगुफरान जीलानी

    देश बदलि रहल अछि

    दिन-प्रतिदिन

    असहिष्णुता बढ़ि रहल अछि

    लव-जिहाद

    घर वापसी भऽ रहल अछि

    देशभक्तिक अर्थ

    सेहो बदलि रहल अछि

    तरुआरि तेजगर

    त्रिशूल नोकगर भऽ रहल अछि

    लोकक मानसिकता

    हरियरसँ आर हरियर

    केसरियासँ आर केसरिया भऽ रहल अछि

    बस, थाना, कोर्ट-कचहरी सेहो

    केसरिया भऽ रहल अछि

    एहिना रहत तँ

    एक दिन हमर देश

    पूर्ण केसरिया भऽ जायत

    ओहिना जहिना

    हमर पड़ोसीक भूखण्ड अछि

    हरियर

    एहेन हरियर

    जे दिन-प्रतिदिन

    ओकर गाछ-पातसँ टपकैत अछि

    लाल ओसक बुन्न

    साँझ धरि

    भऽ जाइत अछि

    समस्त भूखण्ड हरियरसँ लाल।

    स्रोत :
    • पुस्तक : लाल ओसक बुन्न [मैथिली कविता-संग्रह] (पृष्ठ 24)
    • रचनाकार : गुफरान जीलानी
    • प्रकाशन : नवारम्भ, पटना
    • संस्करण : 2018

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY