Font by Mehr Nastaliq Web

बभनगमाबाली भौजीक जीवनक महत्त्वपूर्ण घटना सभक एक टा संक्षिप्त विवरणिका

कृष्णमोहन झा

अन्य

अन्य

कृष्णमोहन झा

बभनगमाबाली भौजीक जीवनक महत्त्वपूर्ण घटना सभक एक टा संक्षिप्त विवरणिका

कृष्णमोहन झा

और अधिककृष्णमोहन झा

    से एहेन अहिबाती के हेती

    जे बभनगमाबाली भौजीक सोहाग-भाग देखि जरि नहि जेती

    ओना मानलहुँ

    जे हुनका पोथी-पतराक दर्शन नहि भेलनि

    मानलहुँ जे पाबनि-तिहारे हुनका तेल-कूड़ भेटलनि

    मानलहुँ जे चाभीक गुच्छा

    कहियो अपन आँचरमे नहि बान्हि सकलीह

    इहो मानलहुँ जे लाख कबुलाक बादो

    आजीवन दोसर पुत्र-रत्न प्राप्त नहि कऽ सकलीह

    मुदा निस्सन्देह

    एक टा भरल-पूरल जीवनकेँ छाँटैत-फटकैत

    अपन 37 बरखक बयसमे

    38289 टा सोहारी पकेलीह

    2173 डेगची भात पसेलीह

    13000 बेर बर्त्तन-बासन माँजलीह

    307 बेर आँगन निपलीह

    47 टा साड़ी 92 टा ब्लाउज पहिरलीह

    275 राति भूखल सुतलीह

    हुनका 3 बेर भेटलनि सम्भोगक सुख 949 बेर भेलनि बलात्कार

    बेटी जनमौलनि 4 टा 5 बेर

    भेलनि गर्भपात

    मुदा देखू सभसँ मार्मिक बात

    जे ठीक बरसातिक प्रात

    जखन हुनक सीथ रहनि सिनूरसँ कहकह करैत

    भरल रहनि लहठीसँ हाथ—

    तखन अपन स्वामीक आगू

    बिना अन्न-जल ग्रहण कयने भऽ गेली विदा

    स्रोत :
    • पुस्तक : एकटा हेरायल दुनिया (पृष्ठ 56)
    • रचनाकार : कृष्णमोहन झा
    • प्रकाशन : अंतिका प्रकाशन
    • संस्करण : 2020

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY