Font by Mehr Nastaliq Web

ई रेख टेकने अछि जीवन

ii rekh tekne achhi jivan

निक्की प्रियदर्शिनी

निक्की प्रियदर्शिनी

ई रेख टेकने अछि जीवन

निक्की प्रियदर्शिनी

और अधिकनिक्की प्रियदर्शिनी

    दूध-रोटी गुड़ल बाटी मे

    दूध सँ दहोबहो भेल हाथ

    रौ नुनू, रौ बौआक लगबैत हाक

    चान आ तरेगनक बंध लय

    अपसियाँत भेल माय

    बूनैत छथि रेख सिनेहक

    बान्हल बथान पर

    गाभिनक लटकल थन पर

    मारैत हुत्था

    सियान भेल जे बाछी

    ताहि दर्द केँ निजबैत गाए

    खीचैत अछि रेख सिनेहक

    सुरुज उगबा सँ पहिने

    जे खुजैत अछि पसर

    छैक सवार ओहिना महिसक पीठ पर

    जेना विजेता

    भरल उन्माद संग घुरि रहल हो

    रणक्षेत्र सँ

    जजातक काते-कात चरैत महीसक

    डम्फ भेल पेट

    आ महिसबारक औंघायल आँखि

    रचैत अछि रेख सिनेहक

    स्पर्शहिटा सँ सिहरैत शरीरक पोर-पोर

    आँखि झील, ठोर गुलाब

    सम्पूर्ण शरीरक अनेक नाम

    आलिंगन सँ सन्तुष्ट

    जेना सुरुज चान सँ मिलनक लेल

    अछि बढ़ैत सूर्यास्त दिस

    ताहि सँ लेभरल प्रेमक सेनुर

    पाड़ैत अछि रेख सिनेहक

    मल्टीस्टोरेज बिल्डिंगक नीचाँ

    पार्कक बेंच पर बैसल

    वृद्ध युगल जोड़ी

    पछिलुका वसंतक अमार सँ

    चाम केँ करैत मिलान

    एक-दोसरा केँ सम्हारैत

    जोगबैत अछि रेख सिनेहक

    फुनगी पर बनायल खोता

    खोताक कोर मे बैसल मेदिन

    आ तकरा तर मे नवजीवन

    रौद, मेघ, बसातक हिलकोर सँ

    बचेबाक लेल

    डेन पसारि झँपबाक कला

    उरेहैत अछि रेख सिनेहक

    यैह रेख

    टेकने अछि जीवन।

    स्रोत :
    • पुस्तक : अकादारून (मैथिली कविता-संग्रह) (पृष्ठ 68)
    • रचनाकार : निक्की प्रियदर्शिनी
    • प्रकाशन : नवारम्भ, पटना/मधुबनी
    • संस्करण : 2025

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY