Font by Mehr Nastaliq Web

तन हरिआयल

tan hariayal

छत्रानन्द सिंह झा

और अधिकछत्रानन्द सिंह झा

    रूसल सपना पुनि घुरि आयल!

    सूखल दूभिक—

    तन हरिआयल!!

    मन उदास छल तृषित-पियासल,

    प्रेम-परससँ—

    रस भरि आयल।

    भ्रमक जालसँ छेकल तन-मन,

    रोग-बिरोग—

    छनहि उधिआयल।

    बाँटल तन अछि, हाथो काटल;

    तैयो मन अछि—

    कहाँ बँटायल!

    शेष होइत दीपक बाती हम,

    स्नेह पाबि—

    पुनि छी बरि आयल।

    स्रोत :
    • पुस्तक : एक गुलाबक लेल (पृष्ठ 24)
    • रचनाकार : छत्रानन्द सिंह झा
    • प्रकाशन : नीलकण्ठ प्रकाशन, पटना
    • संस्करण : 1988

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY