Font by Mehr Nastaliq Web

शिव ई बाना

shiv ii bana

चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’

और अधिकचन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’

    शिव बाना छोड़ू औ!

    बेचू बूढ़ बड़द, लय ट्रैक्टर, परती तोड़ू औ!

    भारतमे गण-तन्त्र भेल अछि, बेटा अहिँक गणेश,

    कार्त्तिकेय सेनापति छथिहे, अपने फोलू प्रेस।

    देशसँ नाता जोड़ू औ!

    सक्रिय रहि कऽ राजनीतिमे, जन-सम्पर्क बढ़ाउ,

    अपने भाषण खूब करू, जनताकेँ काज अढ़ाउ।

    पुरनका धारा मोड़ू औ!

    भूत-प्रेत बैताले 'वोटर', देत अहीँकेँ वोट,

    अस्सी नम्बर खद्धड़ पहिरू, फेकू फाड़ि लङोट।

    भाङ चिन्नी सङ घोरू औ!

    बसि कैलास कपै छी जाड़ेँ, तकर प्रयोजन कोन?

    'एयर कंडीशण्ड' भवनमे, रहू लगा कऽ फोन।

    ज्ञान-गुदरी गोड़ू औ!

    सुलभ मरकरी, व्यर्थ चन्द्रमा, छेकता तखन ललाट,

    ‘अमर' लोकपर धरि करू शासन, बनथु भैरवे लाट।

    असुरकेर भण्डा फोड़ू औ!

    स्रोत :
    • पुस्तक : चन्द्रनाथमिश्र ‘अमर’ रचना संचयन (पृष्ठ 301)
    • संपादक : योगानन्द झा, शम्भुनाथ झा, विजयदेव झा
    • रचनाकार : चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’
    • प्रकाशन : साहित्य अकादेमी, नई दिल्ली
    • संस्करण : 2025

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY