Font by Mehr Nastaliq Web

संकल्प हमर

sankalp hamar

राम चैतन्य धीरज

राम चैतन्य धीरज

संकल्प हमर

राम चैतन्य धीरज

और अधिकराम चैतन्य धीरज

    एहि मिथिला समाजकेँ जगायब

    संकल्प हमर।

    घोर नीनसँ युवाकेँ उठायब

    संकल्प हमर।

    दुर्जनक दृष्टि लागल-ए इतिहासपर

    चुप रहब न्याय नहि थिक उपहासपर

    शंकर केर त्रिनेत्र हम खोलायब

    संकल्प हमर।

    उठू मैथिल ताण्डवी नृत्य नाचब नहि

    तेँ अधिकार जन्म सिद्ध-तनिको बाँचत नहि

    जन मनमे हम आगि लगायब

    संकल्प हमर।

    दम साधि क्रांति डंकापर चोट पड़य

    पटना दिल्ली घरि जोरसँ विस्फोट करय

    हम छी जागल हुंकारिकऽ सुनायब

    संकल्प हमर।

    मोन हमरा पड़य देसिल वयना जखन

    आँखिपर नाचय मिथिलाक अयना तखन

    धीरज त्यागि क्रांति झंडा उठायब

    संकल्प हमर।

    स्रोत :
    • पुस्तक : द्विपर्णा [मैथिली गीत एवं गजल] (पृष्ठ 7)
    • रचनाकार : राम चैतन्य धीरज
    • प्रकाशन : किसुन संकल्प लोक, सुपौल
    • संस्करण : 1982

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY