Font by Mehr Nastaliq Web

ओ नहि अयला गाम

o nahi ayla gaam

अशोक कुमार मेहता

अशोक कुमार मेहता

ओ नहि अयला गाम

अशोक कुमार मेहता

और अधिकअशोक कुमार मेहता

    बीतल फगुओ हुनक संग बिनु

    नहि अयला गाम

    सखि हे! भेल विधाता बाम।

    नीक ने लागए कोइलिक कुहकब

    घर-आङनमे फुद्दिक फुदकब

    कुचरय कौआ, तन सिहराबय

    बाट मुदा सुनसान। नहि...

    चिट्टी छाड़ि मोबाइल पर अयलौं

    दिन पलटय तँ माघ नहेलौं

    केरा-गाछ तर पुजल बृहस्पति

    तैयो ने कोनो निदान। नहि...

    कोन सौतिनियाँ नजरि लगौलक

    हुनकर सुधिकेँ अपन बनौलक

    दुर्गाजीकेँ छागर गछबनि

    ठानब हम अठजाम। नहि...

    स्रोत :
    • पुस्तक : पंछी बनी गगन केर… (मैथिली गीत-संग्रह) (पृष्ठ 45)
    • रचनाकार : अशोक कुमार मेहता
    • प्रकाशन : अनुप्रास प्रकाशन, मधुबनी
    • संस्करण : 2024

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY