Font by Mehr Nastaliq Web

बाजल डंका

bajal Danka

मार्कण्डेय प्रवासी

और अधिकमार्कण्डेय प्रवासी

    बाजल डंका—

    रंग-विरंगक पहलमान सभ

    क्षुब्ध तथा विक्षुब्ध लगै छथि

    क्यो टाकापर—

    क्यो सत्तापर लुब्ध लगै छथि!

    एक लुटेराजी

    आमंत्रित कयलनि बैसक—

    माँछ-भातपर

    चलू, आइ भण्डारेघरमे करी डकैती,

    ठगक संग—

    धार्मिक मुद्रामे चलय ठगैती

    बुधुआ बुद्धक प्रति

    डाकू सभ क्रुद्ध लगै छथि!

    बटमारीमे नामकऽ चुकल—

    भूतपूर्वजी—

    वर्त्तमानकेँ गारि पढ़ै छथि

    रामक आगाँ

    शूर्पनखाकेँ ठाढ़ि करै छथि

    हम छी रेडक्रास,

    घोषित युद्ध लगै छथि!

    समर-क्षेत्रमे—

    मूसक सेना लऽ बिलाड़िजी

    पीलि गेलाहे,

    संविधानतः—

    सभटा किरिया-सप्पत

    काँचे गीलि गेलाहे

    गंगा दूषितकऽ

    नालाजी शुद्ध लगै छथि!

    स्रोत :
    • पुस्तक : हम भेटब (मैथिली गीत-नवगीत संग्रह) (पृष्ठ 77)
    • रचनाकार : मार्कण्डेय प्रवासी
    • प्रकाशन : जखन-तखन, दरभंगा
    • संस्करण : 2004

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY