Font by Mehr Nastaliq Web

साँझ पड़ितए जखन चान बहराइए

saanjh paDite jakhan chaan bahraiye

अमित पाठक

अमित पाठक

साँझ पड़ितए जखन चान बहराइए

अमित पाठक

और अधिकअमित पाठक

    साँझ पड़ितए जखन चान बहराइए

    मोन हमरो अपन चान पर जाइए

    साँझ पड़ितए...

    देखि ऊपरकेँ चन्ना लगइए एना

    चान हमरो करेजामे सटले जेना

    हिया रहि-रहिक' तरहिसँ मुस्काइए

    मोन हमरो अपन...

    दाग ओइ चानमे लाख पड़लै मगर

    दूध सन छथि बेदाग चन्ना हमर

    लाजे लपटल जेना किछु बुझाइए

    मोन हमरो अपन...

    कोन साँचा पर दैव गढ़लखिन कोना

    छनि छिटकैत अंग-अंगसँ तापल सोना

    कियो केम्हरोसँ आबि किछु कहि जाइए

    मोन हमरो अपन...।

    स्रोत :
    • पुस्तक : राग-उपराग (पृष्ठ 46)
    • रचनाकार : अमित पाठक
    • प्रकाशन : नवारम्भ
    • संस्करण : 2017

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY