Font by Mehr Nastaliq Web

यैह थिक जीवन!

yaih thik jivan!

निक्की प्रियदर्शिनी

निक्की प्रियदर्शिनी

यैह थिक जीवन!

निक्की प्रियदर्शिनी

और अधिकनिक्की प्रियदर्शिनी

    (हरे कृष्ण झा केँ समर्पित)

    सजल-साजल कनियाँ

    कोबर टुह-टुह

    छलैक अहिबात-पुरहर आ डाला भरल

    जरैत अहिबातक अखंड दीप

    ओकरा बिलहबाक लेल

    नहि छलैक बिधकरीक हाथ शुद्ध

    कियैक त' चतुर्थिए दिन

    मरि गेलथि नुनू कक्का

    कन्नारोहटि पसरल चारूकात

    मेहिया बड़द जकाँ ठाढ़ नबका वर

    मनक उद्वेग ओहने जागृत

    जेना खेतिहर केँ कोदरिकट्टा मेघ देखि

    वर्षाक होइत छनि संतोष

    एक दिस मृत्युक सत्यता

    आ जीवनक दोसर सत्यताक ओरियाओन

    जेना भेल हो बेस मेघवृष्टि

    आ दहा जयबाक डर पैसल

    बान्हक कोरा मे बसनिहार केँ

    मृत्युशय्या पर

    विदा होयबा लेल

    घर सँ बाहर कयल गेल शरीर

    अन्तिम यात्रा दिस बढ़ैत

    चिताक अग्नि सँ पूर्ण भेल जीवन-यात्रा

    बेदीक आगिक संग चतुर्थीक तैयारी

    पूर्ण भेल विवाहक पद्धति

    जे माइग्रेशन सर्टिफिकेट थिक

    नैहर सँ सासुरक

    मृत्यु केँ अबडेरैत

    जीवन मेँ अंगेजैत

    चलैत रहबाक अछि सदिखन

    यैह थिक जीवन!

    स्रोत :
    • पुस्तक : अकादारून (मैथिली कविता-संग्रह) (पृष्ठ 73)
    • रचनाकार : निक्की प्रियदर्शिनी
    • प्रकाशन : नवारम्भ, पटना/मधुबनी
    • संस्करण : 2025

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY