Font by Mehr Nastaliq Web

उपन्यासमे कथ्य

upanyasme kathya

निक्की प्रियदर्शिनी

निक्की प्रियदर्शिनी

उपन्यासमे कथ्य

निक्की प्रियदर्शिनी

और अधिकनिक्की प्रियदर्शिनी

    (कथा-उपकथा)

    'ई बतहा संसार' मे ‘कन्यादान' भेल, ’द्विरागमन' भेल,

    तखन ‘निर्दयी सासु' भेटल आ

    'ग्रेजुएट पुतोहु’क उपाधि देल

    'विवाह', ’द्विरागमनक रहस्य'क संग

    'मनुयक मोल' प्राप्त भेल।

    'विधकड़ी'क संग मन मे ‘ओ', ’सेहन्ता' लए

    'ग्रेजुएट गर्ल' कहल ‘हमरा लग रहब'।

    'भलमानुष'क संग ‘मधुश्रावणी' क लेल

    'दूर्वाक्षत’ द ‘विदागरी' भेल।

    'धराड़ी' मे ‘रंजना' लग ‘पीयर गुलाब छल'

    तखन ‘आँगनक रेखा' पार कए

    'सुशीला', ’पवित्रा', ’पारो', ’चन्द्रकला', ’प्रतिभा',

    'चानोदाइ' आ ‘निवेदिता'क संग ‘नवतुरिआ',

    'बलचनमा' आ ‘कुमार'क उत्थान भेल।

    मुदा ‘बिहारि पात आ पाथर' मे ‘बाट आ

    बटोही', ’खोता आ चिड़ै', सभ उड़ि गेल।

    'भोरूकबा' होइते ‘दूधफूल’क आश मे

    'पृथ्वी पुत्र' के ‘बिनु मायक बेटी', ’दू पत्र' लिखल।

    'राजा सलहेस', ’लोरिक विजय', ’नैका बनिजारा'क

    संगे ‘पहिल लोक' आएल ‘धरती जागि उठल'।

    'अनल पथ' पर चलैत ‘युगपुरुष', ’भामती'

    ओ ‘भारती'क संग ‘नवारम्भ'क लेल,

    'पंचवटी', ’फुटपाथ' आ ‘मोड पर’ होइत

    एकटा ‘अभियान' चलाओल गेल।

    'वैशाखी पूर्णिमा' दिन ‘चन्द्रग्रहण' सँ उबरि

    'आदिम गुलाम', ’जिन्दाबाद-जिन्दाबाद' कहैत

    ‘पराजित-अपराजित’, ’गामबाली'क’ अनुत्तरित प्रश्न’

    'बाबा पोखरि मे कतेक मछरी' केँ मनमे लए,

    'मंत्रपुत्र' आ ‘श्यामाक करूण कथा'क अन्त भेल।

    'समाज'क ‘सेवा' भावना लए ‘सध्या' भए गेल

    जीवन त' मृग ‘मरीचिका' अछि।

    ई ‘एकटा बड़ पुराण गप्प' अछि जे ई

    संसार ‘अगिनवान' अछि

    'कादो आ कोयला' नहि।

    स्रोत :
    • पुस्तक : समय-सापेक्ष (मैथिली कविता-संग्रह) (पृष्ठ 23)
    • रचनाकार : निक्की प्रियदर्शिनी
    • प्रकाशन : यथार्थ पब्लिकेशन्स, दिल्ली
    • संस्करण : 2017

    संबंधित विषय

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY