Font by Mehr Nastaliq Web

तँ प्रचण्ड छी

tan prchanD chhi

चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’

चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’

तँ प्रचण्ड छी

चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’

और अधिकचन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’

    हमरा सभक समाज बीच तँ खानदानी पेशा रहलै अछि,

    बरहीकेँ जे बेटा होइ छै, तँ जन्मजात बरही बनैत छै

    नौआ सभक धिया-पूताकेँ कतऽ सुनलियै ट्रेनिङ होइत छै

    तैओ सैलून फोलि कऽ सय-पचास नित्तह कमाइ अछि।

    धोबीक बेटा केहन-केहन कपड़ाक दागकेँ छोड़ा दैत अछि

    से अपने साबुन घसलासँ भऽ सकैत अछि काछड़ि कटने?

    तहिना नवका पेशा जे राजनीति केर चलि पड़लैए

    ताहि हेतु परभाच्छय ककरो जँ उठैत अछि तँ प्रचण्ड छी?

    स्रोत :
    • पुस्तक : चन्द्रनाथमिश्र ‘अमर’ रचना संचयन (पृष्ठ 391)
    • संपादक : योगानन्द झा, शम्भुनाथ झा, विजयदेव झा
    • रचनाकार : चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’
    • प्रकाशन : साहित्य अकादेमी, नई दिल्ली
    • संस्करण : 2025

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY