Font by Mehr Nastaliq Web

सूर्य ग्रहण

surya grhan

नीरजा रेणु

अन्य

अन्य

नीरजा रेणु

सूर्य ग्रहण

नीरजा रेणु

और अधिकनीरजा रेणु

    नारी मुक्तिक आन्दोलन सुनि

    नभमे उठल हिलोर।

    शशि सोचलनि जे छापि सूर्यकेँ

    हुअय दी हम भोर।

    बड़ पौरुष देखा-देखाकऽ

    लै छथि पूजा फूल।

    हमरा अपन किरण दऽ बुझबथि

    थिकहुँ अहाँ निर्मूल॥

    आइ हिनक तन छापि देखायब

    केहेन हमर अस्तित्व।

    लोक कहत जे चन्नोकेँ छनि

    किछु स्वतन्त्र व्यक्तित्व।

    अद्भुत भऽ गेल नभ प्रयागकेर

    रविपर चानक छाप।

    हीराकेर औंठी सन सुन्दर

    छवि देखल जन प्रात॥

    चिड़ै चुनमुनी खोँता दिस

    बरद गाय घर गेल।

    दौड़ल बाछा बाछी बुझि

    राति ने भिनसर भेल॥

    छनमे दिनकर बिहुँसि कहल जे

    आबहुँ छोड़ू मान।

    मुक्त प्रकृतिसँ अहाँ ने हम छी

    ईशक सभ निर्माण।

    स्रोत :
    • पुस्तक : आगत क्षण ले (पृष्ठ 41)
    • रचनाकार : नीरजा रेणु
    • प्रकाशन : श्री शेखर झा
    • संस्करण : 1997

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY