Font by Mehr Nastaliq Web

स्त्री

stri

करत कतेक संघर्ष

किताब आ रोटीक बीच स्त्री

देख रहल छी नेनहि सँ

रोटी बना

चलि जाइत छी अहाँ

कमाबय रोटी

नहि बनबैत छी कोनो बहन्ना

बनि रहल छी उदाहरण

गढ़ि रहल छी नित नव इतिहास

मुदा

रहरहाँ भेटि रहल छी अहाँ

बर्फ सँ कठुआयल

सीमेंट मे जमल ड्राम मे

कोनो फ्रिज, कोनो बैग

आ कोनो करिआ पन्नी मे फेकल झोखरि मे

अंगक सभ हड्डी

टूटल-छिड़ियाल देहक संग

हॉस्पिटल मे

आन्हर बनल

प्रेम मे भोथियाक'

ठकल जा रहल छी

धर्मक नाम पर चलैत रहैत अछि बहस

प्रगतिक नाम पर भ' रहल अछि दुर्गति

कहिया चेतब

कहिया खुजत अहाँक छबो इन्द्रिय

चीन्हि सकब

प्रेमक मायाजाल केँ

भूखल आँखिक कामक आगि केँ

अदौ सँ अहींक क्रोध आ संहारक

मंत्र पढ़ि-पढ़ि अहाँक ख्याति

सुना रहल अछि समाज अहाँ केँ

की सीता, की दुर्गा, की लक्ष्मी

क' पाबि रहल छथि अपन रक्षा

कलयुगक रावण, महिषासुर सँ

ई सोचि बेर-बेर मन सशंकित होइत अछि।

स्रोत :
  • पुस्तक : अकादारून (मैथिली कविता-संग्रह) (पृष्ठ 22)
  • रचनाकार : निक्की प्रियदर्शिनी
  • प्रकाशन : नवारम्भ, पटना/मधुबनी
  • संस्करण : 2025

Additional information available

Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

OKAY

About this sher

Close

rare Unpublished content

This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

OKAY