Font by Mehr Nastaliq Web

सोवियत रूससँ

soviyat rusasan

अशोक

अन्य

अन्य

अशोक

सोवियत रूससँ

अशोक

और अधिकअशोक

    एहि देशक विकास की कहियह दोस!

    एहिठाम जेना कलम चलैए

    तहिना कोदारियो चलैत छैक

    कलम चलबऽ वला हाथकेँ

    कोदारि चलबैत

    एकोरत्ती लाज नहि होइत छैक

    मात्र फोटो छपाबय लेल

    कियो श्रम नहि करैए।

    एहिठामक लोक

    खूब पढ़ैए

    खूब हँसैए, नचैए, गबैए

    राति-दिन श्रम करैए।

    श्रम एहिठामक खूनमे छैक

    खून लाल होइत छैक—

    से तोरा बुझले छह।

    लोकक दुनू हाथमे जेना

    जादू भरल छैक एतऽ

    निर्माणक इतिहास की कहियह दोस

    एहि देशक विकास की कहियह दोस।

    मोन पड़ैए गामक चौक—

    भिनसरसँ साँझ धरि

    तमाकू चुनबैत, गप्प लड़बैत

    अखबारक पन्नापर

    राजनीति करैत लोक

    सालमे चारि बेर भोट दैत

    भोट दऽ कए फोंफ कटैत

    अजुका काज काल्हिपर टारैत

    अनेरे बैसल माछी मारैत लोक।

    पसीनासँ उपजल

    संतोष उल्लास

    श्रम सृजनक सुख

    कोना भोगि सकत?

    संकल्पक संग चलैत

    प्रगति दिस बढ़ैत पगध्वनि

    कोना सुनि सकत?

    कोना सुनि सकत दोस?

    टघरल घामक विश्वास की कहियह दोस

    एहि देशक विकास की कहियह दोस।

    स्रोत :
    • पुस्तक : चक्रव्यूह पसरैत (पृष्ठ 11)
    • रचनाकार : अशोक
    • प्रकाशन : नवारम्भ
    • संस्करण : 2023

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY