Font by Mehr Nastaliq Web

धोखा

रोशन जनकपुरी

अन्य

अन्य

और अधिकरोशन जनकपुरी

    मन्दिरक मूर्तिक आगू

    बेटाक राखि

    बजलाह ओ—

    हे गोविन्द,

    अहाँक वस्तु

    समर्पित अछि अहीँकेँ।

    आइ पीटि रहल छथि छाती,

    नोचि रहल छथि माथ

    बेटा भऽ गेलैन्हि शहीद

    गोविन्दक रक्षामे।

    गोविन्द,

    मूर्तिवत् ठाढ़

    बजबैत रहलाह बाँसुरी।

    ओना अवस्था

    मस्जिदोक फराक नहि अछि एहिसँ,

    ओत्तहु,

    अल्लाहके 'राह'—मे

    'कुर्वान' भऽ गेलहा हेतु,

    छाती पीट- पीटिकऽ

    मनायल जा रहल अछि

    'मातम'।

    रहस्यक बात अछि जे

    गोविन्द

    अल्लाह

    दुनू

    रहैत अछि संगहि,

    एक्कहि गाममे!

    एक्कहि महलमे!

    स्रोत :
    • पुस्तक : समय गीत (पृष्ठ 43)
    • रचनाकार : रोशन जनकपुरी
    • प्रकाशन : मैथिली विकास कोष, जनकपुर
    • संस्करण : 2013

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY