Font by Mehr Nastaliq Web

सन्दर्भ : वर्तमान

रोशन जनकपुरी

अन्य

अन्य

रोशन जनकपुरी

सन्दर्भ : वर्तमान

रोशन जनकपुरी

और अधिकरोशन जनकपुरी

    देश

    खीरा!

    जे उपरसँ सौंस होइछ

    भीतरसँ फाँक-फाँक।

    राजनीति

    गाछ!

    जे दिनमे ऑक्सीजन फेकैत अछि

    राइतमे कार्बनडाइअक्साइड।

    नेता

    साँपक मुँहमे अटकल छुछुन्नर!

    जेकरा घाँटू तँ पेट फटबाक डर

    उगिलू तँ आन्हर होयबाक डर।

    जनता

    जुआरीके टेबुलपर छिरिआयल रुपैया!

    जे कखनो एकटा जेबीमे

    कखनो टेबुलपर

    कखनो दोसर जेबीमे पहुँचि जाइत अछि।

    प्रजातन्त्र

    रामलीला मञ्च!

    जतऽ राम गरजैत अछि

    रावणो गरजैत अछि

    अन्हारमे बैसल दर्शक

    टुकुर-टुकुर तकैत अछि।

    स्रोत :
    • पुस्तक : समय गीत (पृष्ठ 13)
    • रचनाकार : रोशन जनकपुरी
    • प्रकाशन : मैथिली विकास कोष, जनकपुर
    • संस्करण : 2013

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY