Font by Mehr Nastaliq Web

रटौआ खाँत

rataua khaant

निक्की प्रियदर्शिनी

और अधिकनिक्की प्रियदर्शिनी

    अछि बुझल हमरा

    अधिकार अपन

    होइतहि स्त्री

    अंगेजि लैत छी अपना भीतर

    हजारो-हजार दुख आ टीस

    सहबाक नाम पर

    देल जाइत छी बना सीता

    घोरल जाइत अछि नेनहि सँ कान मे

    स्त्री होयबाक सीमा

    स्त्री होयबाक विष

    जखन बनाओल जाइत अछि

    सभ स्त्री केँ सीता

    जखन ताकल जाइत अछि

    सभ स्त्री मे सीता

    त' की नहि बनबाक चाही

    सभ पुरुष केँ राम

    पुरुषोत्तम बनबाक लेल

    करैत छी केओ आग्रह किनको?

    सीता! सीता! हा सीतेक धैर्यक वर्णन

    रटौआ खाँत जकाँ

    रहैत छी रटबैत सदिखन

    दोहा जकाँ दोहरबैत छी

    धिया सीता सन होयबाक कामना

    मुदा पूत कहाँ केओ बनैत छथि राम सन

    अधिकारक सीमा

    परोपकार, सहनशीलक महिमा-गरिमा

    ई सभ कियैक होइ

    मात्र स्त्रीएक शब्दकोश मे

    की मात्र सुग्गेटा केँ रटाओल जायत राम-राम

    एहि कलयुग मे

    की सीता केँ तकबाक होड़ मे

    एहि कलयुग सँ

    बिला रहल छथि राम

    हेरा रहल छथि राम?

    स्रोत :
    • पुस्तक : अकादारून (मैथिली कविता-संग्रह) (पृष्ठ 32)
    • रचनाकार : निक्की प्रियदर्शिनी
    • प्रकाशन : नवारम्भ, पटना/मधुबनी
    • संस्करण : 2025

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY