Font by Mehr Nastaliq Web

प्रथम सन्तान

रामदेव झा

अन्य

अन्य

रामदेव झा

प्रथम सन्तान

रामदेव झा

और अधिकरामदेव झा

    आर्द्रा केर वा अखाढ़क

    पहिल दिवसक

    क्षितिज पर उमड़ैत अबइत

    वर्षमे प्रथमे उपस्थित

    श्याम-मेचक मेघ—

    ओहि मेघक

    पहिल बरिसल बुन्न सन

    शीतल अमृतवत्

    प्रथम सन्तान।

    माघ मासक जाड़सँ

    ठिठुरल निशाकेर भोरमे

    चिर प्रतीक्षित सूर्य केर

    पहिल्लुक किरण सन

    ऊष्म स्वर्णाभ—

    ऊष्मतासँ भरित होइछ

    सतत तन-मन-प्राण

    जीवनक जड़ता छोड़ा कऽ

    करै अछि गतिमान

    प्रथम सन्तान।

    स्रोत :
    • पुस्तक : मैथिलीक नव कविता (पृष्ठ 110)
    • संपादक : रामकृष्ण झा ‘किसुन’
    • रचनाकार : रामदेव झा
    • प्रकाशन : सांस्कृतिक विभाग, बिहार
    • संस्करण : 1971

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY