Font by Mehr Nastaliq Web

राजमिस्त्री

rajmistri

मुख्तार आलम

अन्य

अन्य

मुख्तार आलम

राजमिस्त्री

मुख्तार आलम

और अधिकमुख्तार आलम

    एकटा राजमिस्त्री

    भोरसँ साँझ धरि

    रौदमे, बसातमे

    शीतलहरिमे, बरसातमे

    बारहो मास एक-एकटा

    ईट्टाकेँ

    साहुलसँ सोझ करैत

    हथौड़ीसँ ठोकैत

    बनाय दैत अछि

    बहुमंजिला भवन

    एकटा राजमिस्त्री

    बनाय दैत अछि

    पीसाक मीनार

    वर्ल्ड ट्रेड सेण्टर

    ताजमहल लालकिला

    जामा मस्जिद

    संसद भवन

    सूर्य मंदिर महावीर मंदिर

    कुतुबमीनार

    कए दैत अछि

    कतैक देवी-देवताकेँ स्थापित

    एकटा राजमिस्त्री

    बसा दैत अछि

    लंदन, वाशिंगटन, पेरिस

    दिल्ली, मुम्बइ, कलकत्ता सन

    हजारक-हजार शहर

    एकटा राजमिस्त्री

    चारि सय टाका रोजपर खटैत

    अभावमे जीबैत

    बना दैत अछि

    शहीद स्मारक

    तिरंगा फहराबै लेल गोलम्बर

    एकटा राजमिस्त्री

    घेर दैत अछि

    कतेक कब्रिस्तान, श्मशान

    तैयो समाजमे ओकर

    नहि कोनो सम्मान

    नहि कोनो पहिचान

    एकटा राजमिस्त्री

    बना दैत अछि

    कतेक इस्कूल, कॉलेज, अस्पताल

    मुदा नहि एतबा सामर्थ्यवान

    कि

    अपन बच्चाकेँ

    पठा सकय

    कोनो स्कूल, कॉलेज

    हे हौ सरकार!

    ई...केहन अन्याय छै

    अहर्निश खटलाक बादो

    ओकर बच्चा

    टोला मोहल्लामे बौआइत

    बनि जाइत अछि

    एकटा राजेमिस्त्री

    जे हजारक-हजार बहुमंजिला भवन

    निर्माण करबाक गबाह अछि

    ओकरा भाग्यमे

    एकटा घरो नहि।

    स्रोत :
    • पुस्तक : परिचय बनैत शब्द (पृष्ठ 17)
    • रचनाकार : मुख्तार आलम
    • प्रकाशन : मुख्तार आलम
    • संस्करण : 2021

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY