Font by Mehr Nastaliq Web

मायक बोल

प्रणव नार्मदेय

अन्य

अन्य

और अधिकप्रणव नार्मदेय

    सदिखन जाय अनभुआर डारि

    गौरबे आन्हर जे भेल फिरय

    अपन सहरजमीन जे बिसरल

    ठोकर खाय मुँह भ'र गिरय

    परभाखा बरू मौसिए सन नेही

    मायक आँचरक गन्ह कतय

    अपन सन कतबहु लागओ

    परदेसमे माटिक रंग कतय

    जानि कोन पापें देस छूटल अछि

    आबहु चेतु मैथिल प्राण

    मायक जँ सम्मान केलहुँ नहि

    केहन होयत भावी संतान

    मायक मुँहसँ सुनल-गुनल जे

    जाहिसँ भेटल जीवनक ज्ञान

    पहिलुक आखर’माय' सिखौलक

    मायक बोल मैथिलीकेँ प्रणाम।

    स्रोत :
    • पुस्तक : विसर्ग होइत स्वर (पृष्ठ 34)
    • रचनाकार : प्रणव नार्मदेय
    • प्रकाशन : नवारम्भ, पटना
    • संस्करण : 2017

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY