Font by Mehr Nastaliq Web

पानिक आसमे

panik aasme

गुफरान जीलानी

गुफरान जीलानी

पानिक आसमे

गुफरान जीलानी

और अधिकगुफरान जीलानी

    पानिक आसमे

    सूखि जायत अदहनक पानि

    टटा जायत मूँग-मसूरक दालि

    भऽ जायत दूबर-पातर

    माँसरहित चिड़ै-चुनमुन

    सूखि जायत धानक खेत

    कलमक रोशनाइ

    पानिक आसमे

    पानिक आसमे

    सागर भऽ जायत नदी

    नदी भऽ जायत नाला

    खत्ता सूखि जायत

    पोखरि बिला जायत

    पानिक आसमे

    पानिक आसमे

    पड़ि जायत दराड़ि खेतमे

    गाछ-बिरिछ भऽ जायत बौना

    माँछ मरि जायत

    मखान डूबि जायत

    पानिक आसमे

    पानिक आसमे

    सूखि जायत कंठक लार

    गायक दूध

    महींसक दूध

    सूखि जायत लरकोरिक दूध सेहो

    पानिक आसमे

    पानिक आसमे

    ढनमनायत बधना-लोटा

    थरिया-कटोरा

    लड़ैत एक-एकटा मानव

    लड़ैत एक-एकटा देश

    महादेश

    भऽ जायत युद्ध

    महायुद्ध

    विश्व युद्ध

    भऽ जायत समाप्त जीवन-लीला

    पानिक आसमे।

    स्रोत :
    • पुस्तक : लाल ओसक बुन्न [मैथिली कविता-संग्रह] (पृष्ठ 32)
    • रचनाकार : गुफरान जीलानी
    • प्रकाशन : नवारम्भ, पटना
    • संस्करण : 2018

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY