Font by Mehr Nastaliq Web

निकती

nikti

तकैत रहैत अछि संसार

स्त्री मे महानता

नहि तकैत अछि तँ

ओकर समानता

जे छीनल गेल अछि

स्त्रीक ई मौलिक अधिकार

अदौ सँ

लागि जाइत अछि बिहुँसी हँसी

स्त्री केँ अपने

कियैक देत समाज समानता

देबय पड़त प्रेम, सम्मान

जकर ओ अछि अधिकारी

करय पड़त समान काज

घर सँ बाहर धरि समान रूप मे

नहि ल' रहल अछि समान दायित्व

कर्तव्यबोधक खाँत सिखबैत समाज

मात्र स्त्रीए केँ

बिसरि गेल आधा आबादी

अपन कर्तव्य

मिथिले नहि

सम्पूर्ण देशक

सभ समाजक

सभ जातिक

यैह निकती

कर्तव्यक निकती पर कसिक'

छाउर द'

झाँपल जाइत रहलि स्त्री

ओकरा नहि अछि

अपन मनक गति पर कोनो अधिकार!

गतिक ओकर निर्धारण

करैत रहल अछि ई समाज

माय बनय तखनो

बेटी बनय तखनो

पत्नी बनय तखनो

प्रेमिका बनय तखनो

समाजक नित प्रगति सँ

एखन तँ देश भारत

बनल अछि ‘अमृत भारत'

बनि जायत जहिया

'हीरक अमृत भारत'

के जनैत छैक

तहियो भेटि सकत

समानताक अधिकार स्त्री केँ!

स्रोत :
  • पुस्तक : अकादारून (मैथिली कविता-संग्रह) (पृष्ठ 28)
  • रचनाकार : निक्की प्रियदर्शिनी
  • प्रकाशन : नवारम्भ, पटना/मधुबनी
  • संस्करण : 2025

Additional information available

Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

OKAY

About this sher

Close

rare Unpublished content

This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

OKAY