Font by Mehr Nastaliq Web

मनुक्ख आशावादी होइत अछि

manukkh ashavadi hoit achhi

अंशुमान सत्यकेतु

अन्य

अन्य

अंशुमान सत्यकेतु

मनुक्ख आशावादी होइत अछि

अंशुमान सत्यकेतु

और अधिकअंशुमान सत्यकेतु

    हमरा बूझल अछि

    ओकर घीचल आड़ि-धूरक सीमामे

    हम कत्तहु नहि छी

    रोज

    हमर छाबा एक बीत छोट करबाक ब्योँतमे

    खिड़कीपर लटकल इजोरकेँ

    बन्हकी रखबाक दुरभि-संधि कऽ रहल

    अनसोहाँत बुझाइत छै ओकरा

    हमर हँसबोक बेगरता

    बान्हि देने अछि जाबी

    हमरा मुँहमे

    हमर इतिहास नापि अबैये

    कोन-कोन

    पैरक नीचाँ घुमैत धरती

    रूकि जाइये अनचोके

    सुर्ज बताह भेल

    ताकि अबैत अछि हमरा

    दोग-सान्हिमे

    अग्गहसँ बिग्गह तक पसरल

    परती-पराँत जाबि देने अछि

    हमर आवाज

    कान धरि फूजल अछि

    घाममे सीझल मजूरक कंठ

    हिदाइत दऽ रहल

    हरेक सिक्कड़ि

    ओहि लोहासँ कटैत अछि

    जकर बनल रहैत अछि

    मुदा जखन

    हमर पैर रहैत अछि तबधल

    खेतक माटिपर

    आबऽ लगैत अछि हमर घाममे

    सोन्हगर गन्ह

    आँखि दऽ ससरऽ लगैत अछि

    धरतीसँ उठल भाप

    तखन बिसरि जाइत छी हम

    अपन सभटा कलेश

    कोदारि हाथमे लऽ

    बनबऽ लगैत छी

    खेतक पसारपर

    गोल-गोल रोटी

    हम जानय चाहैत छी

    की यैह थिक

    तोहर दुनियाक रेखागणित

    जतय बन्हकी लागल छैक

    चिताक हाथे चुल्हिक आगि

    जतय बेटी-पुतोहुक धधकैत आँचरपर

    सेकल जाइत छै हाथ

    जतय आत्मा नहि

    पेटक आगिसँ

    चिन्हल जाइत अछि मनुक्ख

    हम चाहैत छी जे दुनिया

    हमर सख्त हाथ नाहित हो

    मजूरक ललाटसँ टघरैत

    घाम नाहित सुन्नर हो

    हम नहि भेल छी आशाहीन

    हमरा भरोस अछि मेहनतकश हाथपर

    आइ ने काल्हि एहेन अवस्स हेतै

    जखन हरेक उठैत हाथमे कोदारि

    हरेक पसरल हाथमे रोटी हेतै।

    स्रोत :
    • पुस्तक : एखन धरि (पृष्ठ 57)
    • रचनाकार : अंशुमान सत्यकेतु
    • प्रकाशन : नवारम्भ
    • संस्करण : 2018

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY