Font by Mehr Nastaliq Web

चानन घन गछिया

chanan ghan gachhiya

विवेकानन्द ठाकुर

अन्य

अन्य

विवेकानन्द ठाकुर

चानन घन गछिया

विवेकानन्द ठाकुर

और अधिकविवेकानन्द ठाकुर

    कतौ भेटल आइधरि

    ककरो आँगन मे

    चाननक गाछ?

    कहियो सुनलिअइ

    ककरो आँगन मे

    कोइली कुहकैत ?

    अधिकांश आँगन मे

    देखने हैब

    तुलसी चौरा

    कतौ-कतौ

    बेसी सँ बेसी

    अइँठार पर

    जमीरी नेबोक गाछ

    सहस्र नेबो लुधकल

    जाहि पर कोइली

    कहियो नहि कुहकल

    सुनने हैब अवश्य

    मुदा, देखने नहि हैब

    कहियो छल

    महराजी हाता मे

    चाननक गाछ

    जे जखन दिन

    भेलनि अदिन

    त’ कटा गेल

    बिका गेल

    आब ओम्हर

    कार कौओ

    ने डकइए

    माय-बहिनक

    कंठ मे प्रतिष्ठित

    कोनो मंगल-गीत

    नहि छी जाति-विशेषक विरुदावली

    नहि छी वर्ग-विशेषक अभ्यर्थना

    एहि मे अछि निहित

    सभक लेल असीम शुभकामना

    केओ कहथि

    कि नहि कहथि

    ब्राह्मण केँ बाभन

    बाभन केँ बभना

    थारी केँ छीपा

    लोटा केँ बधना

    चानन छिलकय

    हुनको अँगना

    सभक अँगना

    तेँ बुझियौ एकर सन्दर्भ

    जँ एक दोसराक

    बीछब नाम

    करब कौचर्य

    नहि राखब सौहार्द

    त’ एखन धरि

    जे मंगल-गीत मे

    अछि सुरक्षित

    चानन घन गछिया

    ताहि मे हूलि जैत

    कोनो वीरप्पन

    क’ देत

    ओकर उकन्नन

    समूल उकन्नन

    स्रोत :
    • पुस्तक : चानन घन गछिया (पृष्ठ 60)
    • रचनाकार : विवेकानन्द ठाकुर
    • प्रकाशन : विवेकानन्द ठाकुर
    • संस्करण : 2011

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY