Font by Mehr Nastaliq Web

महिमा

mahima

अहाँक जन्महि सँ

दू कुल तरि जेबाक

लागय लगैत अछि अनुमान

खूब सुन्नर रही अहाँ

बड़का-बड़का आँखि

दपदप गोर

भगबतिये जकाँ

झालरबला फराक पहिरि

पयर मे झुनझुन

करैत पायल पहिरने

टुनमुन चलैत रही

अदना सनक

काजरो करबा काल

अहाँ आ अहाँक भाइ मे कयल गेल अन्तर

अहाँक माथ परहक काजरक ठोप

दाहिना कात आ अहाँक भाइक बामा

अहाँक चलब देखि

नहि कोनो भगवतीक तुलना कयल गेल

आ अहाँक भाइ केँ

चलैत देखि

भेल कृष्ण आ राम सँ तुलना

महिमा!

अहाँ आब जायब स्कूल

कतेक आशा सँ भरल अछि

ए बी सी डी

क ख ग घ

संग ‘वन वन जा' सीखब

महिमा!

पहिल सँ सातम क्लास मे पहुँचब अहाँ

मानसिक-शारीरिक परिवर्तन होयब

भ' गेल शुरू

उज्जर शर्ट आ ब्लू स्कर्ट मे जाइत रही स्कूल

अंग्रेजीक क्लास मे

बेर-बेर अहाँक शर्टक जेबी मे

रखैत छलाह

कहियो टॉफी, कहियो कोनो कागज

नहि जानि असहज लगैत छल

अहाँक पयर सहजहि पाछू भ' जाइत छल

मुदा चिंता जुनि करू अहाँ

आब पढ़ाओल जाय लागल

गुड टच आ बैड टचक शिक्षा स्कूल मे

महिमा!

खूब सुन्नरि युवती भ' गेलहुँ

बाट मे चलैत काल

एक बेर सभक नजरि

अछि दौड़ि जाइत अहाँक मुँह दिस

पढ़बा सँ बेसी अहाँक

बियाहक फिकिर अछि

पड़ोसिया केँ

बेटीक पड़ा जयबाक खबरि सभ सँ

भीतरे-भीतर सशंकित

छथि माता-पिता

पढ़ैत-पढ़ैत भागब

विवाहक बाद मारब केर

कतेको घटना सँ

महिमा!

अहाँ केँ जखन कखनो

अछि भेटैत प्रेम

ओकरा अहाँक मन पहुँचा दैत अछि

पराकाष्ठा पर

अहाँ ओहि अनमोल क्षण केँ

रोकि लेबय चाहैत छी

अनन्त काल धरिक लेल

बाँहिक बीच पतिक छाती पर

अपन माथ जखन रखैत छी

तँ ओ बाँहिक घेरा

अहाँक अपन निज संसार सन लगैत अछि

महल-दू महल

लगैत अछि झुझुआन

होइत अछि ई बाँहि सदैव अहाँ केँ

अपना भीतर समेटने रहय

अहाँ जीवन पथ पर

अपन प्रेम संग बढ़ैत रहय चाहैत छी

महिमा!

अहाँ नहि थाकैत छी

कहियो कोनो घर-बाहरक काज सँ

मुदा थाकि जाइत छी अहाँ

मात्र कटाक्ष भरल बोली सँ

जे भेटैत रहैत अछि

सड़क पर, परिवार सँ

खास क' पति सँ

तोड़ि दैत अछि

शक्ति केँ

छी जे बन्हने अपन डाँड़ मे

अपन कान्ह पर

खेतक बड़द जकाँ

जे मात्र चासि, समारि आ जोतिक'

बना देबय चाहैए

खेत केँ अपन

जकर जजात सँ

समाज-देश भ' सकत सबल

क' सकत निर्माण एकटा

सुयोग्य मनुखक

डेन पकड़ि जकर

कोनो महिमा चलि सकत पूरा जीवन

बिना कोनो उपरागक

बिना कोनो भयक

ओकरा बुझि सकय

ओकर संवेदना केँ चिन्हि सकय

ओहो मनुख अछि

एहन व्यवहार करय।

स्रोत :
  • पुस्तक : अकादारून (मैथिली कविता-संग्रह) (पृष्ठ 18)
  • रचनाकार : निक्की प्रियदर्शिनी
  • प्रकाशन : नवारम्भ, पटना/मधुबनी
  • संस्करण : 2025

Additional information available

Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

OKAY

About this sher

Close

rare Unpublished content

This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

OKAY