Font by Mehr Nastaliq Web

माय-1

maay 1

अंशुमान सत्यकेतु

अन्य

अन्य

और अधिकअंशुमान सत्यकेतु

    बोरसि लग बैसल धाहसँ

    लाल भेल छथि माय हमर

    आगिक सभ ताप अपन भीतर

    जमा केने जाइत छथि

    चेतनाक लहकैत परिधिमे

    बेगरता पड़लापर

    बिलहि देथिन मुट्ठिये मुट्ठी

    हमरा-हुनका बीच

    खुक्ख ठाढ़ भऽ जेतीह

    जेना जमा कऽ लेने होथि

    जिनगी भरिक कमाइ तामाक तामा

    आब मुदा

    डर होइ छनि हमर आँखिमे

    जरैत चिंगोरा सभ देखिकऽ

    कत्ते काल धरि देखैत रहैत छथि

    हमर आँखिक आर-पार

    बिसरि जाइत छथि

    बोरसिक धाह समेटनाइ

    देखाइत छनि हुनका एकटा

    ठुट्ठ गाछ दूर, बहुत दूर

    टपकि जाइत छनि

    हाथपर एक बुन्न भफाइत पानि

    हमर आँखिमे रहि जाइत अछि

    शेष एकटा प्रश्न

    अनुत्तरित

    कतऽसँ अबैत छैक मायक भीतर

    करुणा एतेक!

    स्रोत :
    • पुस्तक : एखन धरि (पृष्ठ 13)
    • रचनाकार : अंशुमान सत्यकेतु
    • प्रकाशन : नवारम्भ
    • संस्करण : 2018

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY