Font by Mehr Nastaliq Web

कविता

kavita

कविता

अपन भाषा सँ प्रेमक

परिणाम थिक कविता

अपन सामाजिक व्यवस्था सँ उत्पन्न

राग-द्वेषक व्यथा थिक

कविता जीवनानुभवक प्रमाण थिक

पाबनि-तिहार मे जागल

अस्थाक प्रतिरूप थिक कविता

कविता

अपन समय केँ

जीबि लेबाक अनुभूति थिक

मन मे उपजल विषयक

उपसंहार थिक कविता

कविता कागज आ कलमक बीचक अंतर्द्वन्द्व थिक

अपन बात कहबाक

कौशल थिक कविता

कविता थिक

जन्म आ मरणक बीचक

प्रवहमान छन्द।

स्रोत :
  • पुस्तक : अकादारून (मैथिली कविता-संग्रह) (पृष्ठ 139)
  • रचनाकार : निक्की प्रियदर्शिनी
  • प्रकाशन : नवारम्भ, पटना/मधुबनी
  • संस्करण : 2025

Additional information available

Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

OKAY

About this sher

Close

rare Unpublished content

This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

OKAY