Font by Mehr Nastaliq Web

कतेक हिटलर

katek hitlar

श्याम दरिहरे

श्याम दरिहरे

कतेक हिटलर

श्याम दरिहरे

और अधिकश्याम दरिहरे

    लड़िकऽ हिटलर विश्वयुद्ध

    ने अपन मान बढ़ौलक

    ने बचौलक मातृभूमिक प्रतिष्ठा

    हँ

    यहूदीकेँ झड़कौलक

    जर्मनीकेँ गन्हौलक

    संसारकेँ औनौलक

    त्राहि-त्राहि मानवता

    रक्तक केहन श्रेष्ठता।

    के आर्य

    के अनार्य

    कोन वर्गक शत्रुता

    कोन वर्गक मित्रता

    के करत फैसला

    अपन सनकी

    की घमंडक हनकी

    की जकरा

    ज्ञानक मिसिओ ने भनकी।

    एकटा हिटलर मरल

    ओकर रक्तबीज संतान अछि भरल

    केओ धर्मक अलकायदा

    केओ धनक बोको हरम

    कतहु माओवादी बेपार

    कतहु परमाण्विक भरम।

    स्रोत :
    • पुस्तक : क्षमा करब हे महाकवि [मैथिली कविता-संग्रह] (पृष्ठ 119)
    • रचनाकार : श्याम दरिहरे
    • प्रकाशन : नवारंभ, पटना/मधुबनी
    • संस्करण : 2016

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY