Font by Mehr Nastaliq Web

कम्बल

kambal

नहि पहिरने छी हम

स्लिबलेस टॉप

पयर मे सटलाहा जीन्स

डीप नेक बला ब्लाउज

टाइट फिटिंग कोनो कपड़ा

जाहि सँ देखार दैक

अंगक सभ आकार

हाइ हील पर चढ़

नहि बनल छी ऊँच

नहि लगौने छी

आँखि केँ घीचि लेबय बला

लाल टुहटुह लिपस्टिक

खूब गढ़गर काजर

गमकौआ डियो

नहि अछि हमर रंग

गोर दपदप

पाँच वर्षक

पन्द्रह वर्षक

पच्चीस वर्षक होइत

पहुँचि गेल छी

एकटा अवस्था धरि

तैयो

हमरा देखबाक

आ कि नपबाक

अछि रखने निकती

पुरुष समाज

स्कूल सँ शुरू भेल

विवाह धरि

नहि होइत अछि समाप्त

हुनक आँखिक भूख

गोर छी कि पिण्डश्याम

नहि कोनो फरक

कामातुर लोकक नजरि मे

रोड-बाट सँ ल'

कोनो गोष्ठीक

चहटगर गॉसिप मैटर

अछि बनैत

परिणाम

मोलेशटेशन

रेप

मैरिटल रेप

नहि किछु तँ

आँखि सुख

वाक् सुख धरि

पहुँचैत छी हम स्त्री

हमर समाज ओढ़ने

अछि जा रहल

आधुनिकताक कम्बल!

स्रोत :
  • पुस्तक : अकादारून (मैथिली कविता-संग्रह) (पृष्ठ 52)
  • रचनाकार : निक्की प्रियदर्शिनी
  • प्रकाशन : नवारम्भ, पटना/मधुबनी
  • संस्करण : 2025

Additional information available

Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

OKAY

About this sher

Close

rare Unpublished content

This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

OKAY