अक्षरपुरुषक दुहिता
टटका फुलाएल कनैल जकाँ
रौद हँसऽ लागल अछि
बसात मे मोहक मात्सर्य छै पसरल
चिन्नी जकाँ छिड़िआइत झीसी कें
एकर पार्श्व-धमक
नचबऽ लगैत अछि
ठीके,
बहुत दिनुक बाद
आइ पानि बरिसत
टपकैत बुन्न मे
अप्रतिम गमक कें
आइ पानि सानत
भिजबा लेल आतुर/सुखाएल धरती
आँचर पसारने
रोम-रोमसँ पीबाक इच्छा लेने
अस्त-व्यस्त अछि...
हरियरीक चुनरी लहरा कऽ
कली आ आँकुर सभ सँ फुसफुसा कऽ
व्यक्त कऽ रहल अछि अपन आभार
अखाढ़क पहिल अछार मे
उमकी जेना बढ़ि गेल छै
बड़दक पएर
घोड़ाक टाप सन कसमसाइत छै
बिराड़ मे बीया
उल्लास-गीत गुनगुनाइत छै
बाबा,
आइ भिनसरे सँ पगलाएल छथिन
मैंयाँक तरहत्थीपर
जन-बरिजनाक रोटी
कखन सँ ने खेलाइत छै...
अनायासे
हम अपन मैंयाँ सँ
कऽ उठैत छी विकल प्रश्न—
मैंयाँ गए,
गृहस्थक पौत्री हम
कोना कऽ भऽ गेलहुँ अक्षरपुरुषक दुहिता?
- पुस्तक : समग्र ज्योत्स्ना (पृष्ठ 63)
- संपादक : विभूति आनन्द
- रचनाकार : ज्योत्स्ना चन्द्रम्
- प्रकाशन : नवारम्भ
- संस्करण : 2017
Additional information available
Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.
About this sher
rare Unpublished content
This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.