Font by Mehr Nastaliq Web

झुझुआन होइत गाम

jhujhuan hoit gaam

रघुनाथ मुखिया

रघुनाथ मुखिया

झुझुआन होइत गाम

रघुनाथ मुखिया

और अधिकरघुनाथ मुखिया

    जहिया नन्नू मलाह

    फकीर झा, नीलकंठ अवस्थी

    फेकू चमार

    मीलिकऽ गाड़ने रहै

    बलहा गामक खरही

    तहिया गामक रखबारि करबाक लेल

    उत्तर बैसाओल गेलै भैरव

    दच्छिन हनुमान

    पूबमे कमला

    पच्छिम सलहेसक थान

    ग्राम्य देवी गह्वरमे

    बैसाओल गेलि ज्वालामुखी

    एहि तरहें गामकेँ सजाकऽ

    बनाओल गेल रहै सोहनगर

    बसय लागलै लोक

    बढ़य लागलै लोक

    गामक टोले-टोल

    होअय लागलै भजन-कीर्त्तन, खिस्सा-पिहानी

    चैतावरि, चौमासा, छःमासा

    लगनी, बटलगनी, नचारी

    प्रातीक स्वरसँ

    महमह करै गाम

    हैजा, फौती, कौछबी, पिलहीसँ

    आक्रांत होइत रहलै

    बाढ़ि अकालकेँ सहैत गेलै

    मुदा, सोहनगर बनल रहलै गाम

    तहिया गाममे नामी रहै

    धेमुरा धारक कुहली घाट

    बंगालीक टिकरी

    बाजपेई जीक सोहागवटी

    महात्मा जीक मण्डुल

    कलर साहुक कोटा

    ढलाय मंडलक डी-लाईट

    बौआ बैद विभूते पर करैत रहै खेला

    मुदा हँसमुख रहै गाम

    खाइत रहै लोक

    मडुआ-कौनी, साम-कोदो

    जनेर-बाजरा, सौरखी-चिचोड़

    अल्हुआ, सुथनी, सकरकंद

    धानक नामे जल्ली, गम्हरी, खेरही

    करमी, पटुआ, ललभुटका

    गेन्हारी अरिकंचनक सागेपर

    काटि लै जिनगी

    मुदा, बिहुसैत रहै ठोर

    नुनू मररकेँ नारदी

    नेनो मररकेँ लोकगाथासँ

    विभोर होइत रहै बाट-बटोही

    योगिनीसँ कमठाउन कराबनि

    कुम्हन बाबा

    लाली चौधरी वासुदेव झा

    नोन बनाकऽ लड़लाह

    आजादीक लड़ाइ

    अगस्त क्रांतिमे झंडा उठेलनि

    यमुना झा खुशीलाल बड़इ

    देश भेलै आजाद

    मुदा लोक रहै नाङटे

    पहिरय लेल बिष्ठी

    बहुत भेल तँ गोलगला पुतली

    पूसक कनकनीमे

    सुतबा लेल पुआर

    आ, ओढ़बा लेल

    पटेरक गोनरि

    बड़का लोक छी तँ

    भेड़ियाहा कम्मल

    तैयो सुन्दर रहै गाम

    तहिया माझेठाँ रहै

    गाँधी पुस्तकालय

    घनेरक-घनेर रहै पोथी

    मुदा, समुच्चा गामे रहै औंठाछाप

    चिट्ठी कि तार पढ़ेबा लेल

    जाय पड़ै गामसँ बाहर

    मुदा, गाम रहै देखनगर

    गाममे रहै कच्छाछोप कादो

    टटघर, भीतघर, खपरैल

    टोले-टोल दालान

    विकासक हवासँ

    बेरल रहै गाम

    मुदा, लाजवाब रहै गाम

    एखन गाममे

    घनेरक-घनेर अछि

    कोठा-सोफा, पोखरा-पाटन

    बीत-बीत भरि सोलिंग, पीचरोड

    घरे-घर अंगरेजिया बाबू

    सभ हाथकेँ मोबाइल

    इण्टरनेट फेसबुकपर

    सम्पूर्ण ब्रह्माण्डक

    रखैत अछि खबर

    देश-विदेशसँ

    आबै छै डॉलर, दीनार, पॉण्ड, दिरहम

    मुदा गाम लागै छै

    झुझुआन सन।

    स्रोत :
    • पुस्तक : झुझुआन होइत गाम (मैथिली कविता-संग्रह) (पृष्ठ 122)
    • रचनाकार : रघुनाथ मुखिया
    • प्रकाशन : नवारम्भ, पटना/मधुबनी
    • संस्करण : 2018

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY