Font by Mehr Nastaliq Web

जनसेवा ट्रेन

janseva tren

निक्की प्रियदर्शिनी

निक्की प्रियदर्शिनी

जनसेवा ट्रेन

निक्की प्रियदर्शिनी

और अधिकनिक्की प्रियदर्शिनी

    मिथिला सँ चलैत अछि जनसेवा

    पूर्णियाँ, सहरसा, दरभंगा, मधुबनीक

    सभ जातिक लोक

    एहि ट्रेन केँ लदमलद क' क'

    भेल अछि विदा

    अपन आ अपन परिवारक पेटक लेल

    स्टेशन पर ठाढ़ अछि जनसेवा

    खिड़की मे सँ खाली

    मुड़ीये मुड़ी देखाइत अछि

    कारी-कारी पिट्ठू बैग

    पीठ पर लदने

    जेना घोड़ा लदैत अछि

    अपना पीठ पर लदान

    ओहि लदल झुण्ड मे देखाइत छैक

    ओकरा सभक बैगक कोनो टूटल चेन

    बगल के पॉकेट मे लटकल

    पीयर भेल बोतल

    गाम सँ छूटल जयबाक दुख

    आ अभाव मे त्रस्त एकटा लोक-समूह

    जे अछि लोक कम आ कंकाल बेसी

    भीड़ छै ठसम-ठस

    गेट पर तक बैसल छै लोक

    कि तखने होइत छै हल्ला

    गेट पर बैसलाहा मे सँ

    कियो खासि पड़ल छै नीचाँ किनसाइत

    सभ गल-गुल करैत छैक अपना मे

    ओकरा नींद लागि गेल रहैक

    कि छूटि गेलै हाथ

    आकि रील बनेबा मे छल मस्त

    नहि रहलै सोह

    आ ट्रेन अपना भीतर लेलक खींचि

    दू टुकड़ी भेल शरीर सँ

    छन्न द' छूटि गेलै प्राण

    लोक सभक अनघोल पर

    गार्डक संज्ञान पर

    ड्राइवर लगौने छल ब्रेक

    ता ओकरा जीवन मे

    सदाक लेल लागि गेल छलैक ब्रेक

    कने कालक घेंघाउजक बाद

    खुजि गेल छल ट्रेन

    अपन गन्तव्यक लेल

    लोक सभ केँ गप करबाक लेल

    बेस मसल्ला बिलहि गेल छल ट्रेन

    केओ मरलाहाक दोष

    केओ भगवानक दोष द' रहल छल बेर-बेर

    राजनीति पर चलय लगलैक गपध्या

    जे छल ट्रेनक टिकटक बादक

    सभ सँ बेसी आवश्यक चर्चा

    मोदी आ नीतीश पर

    होमय लागल छलैक

    बेस अनुभवी घमर्थन

    ओही झुण्ड मे सँ

    बाजल छलैक केओ—

    कतेक करबह सरकारक प्रशंसा आकि निन्दा

    पक्ष आकि विपक्ष

    जँ एतहि रहितैक मंडी

    आकि कल-कारखाना

    तँ नहि जइतहुँ एतेक दूर

    बाल-बच्चा केँ छोड़ि

    नहि तेजय पड़ैत प्राण

    एना अपटी खेत मे

    जनसेवा ट्रेनक एहि जनता सभ केँ देखैत

    लागि जाइत अछि ठकमूड़ी

    जे ओकर एहि अकाल मृत्युक समाद

    पहुँचत कहिया धरि

    ओकर परिजन-पुरजन लग

    जे बैसल हएत आसरा तकैत

    जे कहियो कमाक' आओत पप्पा

    कमाक' आओत बेटा

    आ कमाक' आओत ओकर मनसा

    आकि बीचहि मे ई असमय घटना!

    नहि जानि कहिया धरि गहय पड़तैक

    ई दूर देश

    आ ओहि दूर देश मे

    पेटक खातिर

    देह तोड़ि कमयबाक दंश!

    स्रोत :
    • पुस्तक : अकादारून (मैथिली कविता-संग्रह) (पृष्ठ 86)
    • रचनाकार : निक्की प्रियदर्शिनी
    • प्रकाशन : नवारम्भ, पटना/मधुबनी
    • संस्करण : 2025

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY