Font by Mehr Nastaliq Web

हम छी त'

hum chhi ta

निक्की प्रियदर्शिनी

और अधिकनिक्की प्रियदर्शिनी

    बिनु बेग नहि उठैत अछि संवेग मनमे

    जौँ भरि ली हुँकार, संग त्रेग मनमे

    बदलि सकैत छी नभ आओर धराकेँ, विश्वक मानचित्रमे

    हम छी त' युग अछि आओर इतिहास जगमे।

    हम करैत छी अह्वान सभसँ कल्पनाक संगमे

    विश्वक एक कोटि, एक जाति एक रूपमे

    हमर ईच्छा ई सदिखन हो समर्पित जीवनमे

    हम छी त' युग अछि आओर इतिहास जगमे।

    नव चेतना, नव जागरण सँ उद्वेलित धरामे

    रस भाव सँ भरल पूरित समाज मे

    कि सुनब अहाँक राग आ द्वेष कण्ठ मे

    हम छी त' युग अछि आओर इतिहास जगमे।

    किएक देखैत छी भरिकए भोगक ज्वाला आँखि मे

    हमहुँ क' सकैत छी, विरोध आ प्रतिशोध जगमे

    गर्जन क' सकैत छी जेना बिजुलि हो गगन मे

    हम छी त' युग अछि आओर इतिहास जगमे।

    स्रोत :
    • पुस्तक : समय-सापेक्ष (मैथिली कविता-संग्रह) (पृष्ठ 17)
    • रचनाकार : निक्की प्रियदर्शिनी
    • प्रकाशन : यथार्थ पब्लिकेशन्स, दिल्ली
    • संस्करण : 2017

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY