Font by Mehr Nastaliq Web

हमर परिचिति एतबे जे

hamar parichiti etbe je

मुख्तार आलम

अन्य

अन्य

मुख्तार आलम

हमर परिचिति एतबे जे

मुख्तार आलम

और अधिकमुख्तार आलम

    धरतीकेँ उर्वर बनबऽ लेल

    अहर्निश खटैत-खटैत हम

    त्यागि दैत छी प्राण

    तैयो गरीबी, अशिक्षा

    बेरोजगारीक आगिमे

    जरै छी सभ दिन...

    दू साँझक रोटीक लेल

    शहर गाम

    चौक चौराहापर

    चौमेदिनी गारि-बात सुनै छी हम

    ताहूपर हमरा

    पाकिस्तानी, अफगानी

    तालिबानी आतंकी

    आदि-आदि शब्द

    कियैक सुनऽ पड़ैत अछि?

    यौ भाग्य विधाता

    स्वार्थमे आन्हर भए कए

    हमरा कियैक तोरि-मरोरि रहल छी

    बेर-बेर

    हमर समर्पण

    योगदान ककरोसँ

    कम नहि अछि

    एहि देशमे!

    हमर बुन्न-बुन्न

    शोणितसँ सानल अछि

    हमर देशक माटि

    हे यौ

    समांग अहाँ जखन कहैत छी

    आक्रांता, आतंकी

    तखन भीतर-भीतर खौंती

    देबय लगैत अछि हमर देह

    जाति-जाति, धरम-धरम केर खेल

    भए गेल बहुत बेसी

    हमरा तोड़बाक नहि करी प्रयास

    हमरा घरारीमे बैसल अछि

    पीर, बड़ेपीर

    बुढ़िया बारी

    ब्रह्म बाबाकेँ मंदिर

    मटेश्वर धाम, सिंहेश्वर स्थान

    कुशेश्वर स्थान, कत्यायनी थान

    मकदुम चक, कंदाहा

    मत्स्यगंधा

    हम अहाँसँ

    फराक कथीक?

    हमर परिचिति एतबे जे

    हम मैथिल मुसलमान भारतीय छी

    अहीँ सन एकदम खांटी।

    स्रोत :
    • पुस्तक : परिचय बनैत शब्द (पृष्ठ 29)
    • रचनाकार : मुख्तार आलम
    • प्रकाशन : मुख्तार आलम
    • संस्करण : 2021

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY