Font by Mehr Nastaliq Web

हाइ! ए आइ

hai! e aai

निक्की प्रियदर्शिनी

और अधिकनिक्की प्रियदर्शिनी

    गुड़ मॉर्निंग ए आइ

    देखैत छी अहाँ भविष्य

    छी भ' गेल जोतखी

    बना दैत छियै

    रंग-बिरंगक फोटो

    जे अछि एसगर

    जोड़ि दैत छियैक

    ओकरा संग पूरा परिवार

    अहाँक अयला सँ

    कहाँ छैक आब प्रतिभाक कमी

    आ कि प्रतिभाक एकाधिकार

    लेखक, रिपोर्टर, चित्रकार पर्यन्त

    बनि रहल अछि

    मिनटो नहि सेकेंड भरि मे

    हमरो अछि एकटा काज

    हम देखय चाहैत छी अपन मृत्यु

    ओहि बहन्ने चिन्हय चाहैत छी

    अपन लोक केँ

    अबैत छथि कतेक लोक देखय हमरा

    करैत छथि कतेक पोस्ट एफबी पर

    सुनय चाहैत छी जे

    के क' रहल छथि खिधांस हमर

    हमर कयल उपकार

    ककरा अछि मोन

    के बदलि लेलक अपन रंग

    हमरा मुइलाक बाद

    कोन-कोन छल कमी हमरा मे

    मुह पर अपन कहनिहार

    कोना भोकलक चक्कू पीठ मे

    ओकर देल दर्द सँ

    कुहरि-कुहरि जीबा लेल छी बाध्य

    देत जे अपना विषय मे ओ

    एकटा निर्लज्ज सफाइ

    एकटा कामान्ध अपनैती

    एकटा दुष्ट मुसकी

    एकटा दुष्ट सुझाव

    से सभटा छल-छद्म

    सुनय चाहैत छी

    हमर परोक्ष मे घटल

    हमरा पर सभटा घात-अवघात

    देखय चाहैत छी अपना आँखिए

    हे ए आइ

    मात्र घंटा-दू घंटा लेल

    मरय चाहैत छी आ

    चीन्हि लेबय चाहैत छी सभक प्रवृत्ति

    हमरा प्रति सभक विचार-दुर्विचार

    चिन्हब अपन व्यवहार सेहो

    जे कोन कमी छल हमरा मे

    घुरि आयब जखन जीवन मे

    तँ बना लेब दूरी ओहेन लोक सँ

    जे अपना स्वार्थ लेल

    कयलक सर्वनाश हमर

    बदलि लेब व्यवहार अपन

    जाहि सँ

    नहि केओ क' सकय अवघात हमर

    संजयबला दृष्टि अहाँ केँ

    गीताबला अपन-आन चिन्हबाक सार अहाँ मे

    अहाँ ठीके क' देबै संसार केँ सुखी

    मानय पड़तैक सभ केँ

    की अहीं होयब

    एहि कलयुग के पार लगाबयबला कल्कि?

    स्रोत :
    • पुस्तक : अकादारून (मैथिली कविता-संग्रह) (पृष्ठ 38)
    • रचनाकार : निक्की प्रियदर्शिनी
    • प्रकाशन : नवारम्भ, पटना/मधुबनी
    • संस्करण : 2025

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY