Font by Mehr Nastaliq Web

बेगरता

begarta

श्याम दरिहरे

और अधिकश्याम दरिहरे

    एतेक प्रेम कवितासँ

    नहि निकलल एको सेर बुतात।

    अहाँक सुन्नर आँखि

    कहाँ चुआ पौलक कहिओ

    एको बुन्न मटियाक तेल, जे

    मास भरिसँ मिझायल डिबिया बारि लितहुँ

    अन्हार घरमे एकोदिन तँ पसरैत इजोत

    जे गहन समयमे

    अहाँक चान सन मुँह निहारि लितहुँ।

    सोचैत छी

    जँ अहाँक नामी-नामी केशसँ

    झहरैत एक पौआ अल्लु

    तीर-कमान भौंहसँ

    दू ठोप सरिसोक झउँसगर तेल

    मादक देह-गंधसँ

    चूबैत चारि ढेप पिआउज तँ

    सन्नाक संग रोटी खयबा लेल

    बरखो दिनसँ रकटल जीह

    एकोदिन तँ जुराइत

    हमरा एकोदिन अहाँ लेल

    कामिनी नाम तँ फुराइत।

    अच्छा छोडू प्रेमगीत

    लाउ हमर गमछा कोदारि

    तामि आबी दू धूर परती खेत

    नहि करी मोन हेट

    गरीबी मौजमे एहने

    होइ छै ऐश

    ने अन्न, ने तीमन

    देखे–देखीमे बिति जाय वयस।

    स्रोत :
    • पुस्तक : क्षमा करब हे महाकवि [मैथिली कविता-संग्रह] (पृष्ठ 30)
    • रचनाकार : श्याम दरिहरे
    • प्रकाशन : नवारंभ, पटना/मधुबनी
    • संस्करण : 2016

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY