Font by Mehr Nastaliq Web

अनागत प्रेयसी सँ

anagat preyasi san

हरिमोहन झा

अन्य

अन्य

हरिमोहन झा

अनागत प्रेयसी सँ

हरिमोहन झा

और अधिकहरिमोहन झा

    हे हमर चिर प्रेयसी अज्ञात

    छी अहाँ चिरयौवना उद्दाम

    रहइ छी पर्दाक भीतर किन्तु

    हरइ छी सभ केर मन प्राण

    छथि असंख्यो प्रेमपात्र अहाँक

    सभक लग जाइ छी अहाँ एक बेर

    अछि परम निष्ठुर अहाँ केर स्पर्श

    छुइल जकरा से मुइल तत्काल

    क्रूर विषकन्या जकाँ चुपचाप

    तेहन आलिंगन छिऐक करैत

    होइछ ठामहिं लोक संज्ञा शून्य

    सकल सुधिबुधि जाइ छैक बिलाय

    धरै छी अहाँ अप्पन बाट

    पुनः घुरियो कऽ छिऐ तकैत

    जाइ छी दोसर शिकारक जोह

    छी अहाँ निर्बाध स्वच्छन्द

    द्वार क्यो नहि कय सकै अछि बंद

    नऽव हो वा बूढ़

    चतुर अथवा मूढ़

    गति अहाँ केर गूढ़

    सभक गर लगबैत छी निज फंद

    लखि अहाँकेँ बुद्धि होइछ मंद

    आइधरि ऐलहुँ हमरा लऽग

    आइधरि देखल अहाँक रूप

    आइधरि नहि भेल स्पर्श अहाँक

    आइधरि भेटल अहाँक स्वाद

    किंतु एतबा छी अवश्य जनैत

    एक दिन ऐबे करब हे देवि!

    शिशिर अथवा ग्रीष्म वा बरिसात

    भादवक घनघोर झंझावात

    वा बसंतक मदोन्मत्त बसात

    वा शरद केर शांत निर्मल प्रात

    ऐब कहियो अहाँ कोनो बेर

    छी ने बुझइत अहाँ देर-सबेर

    जाहि दिन ऐबाक हो से आउ

    हम कहाँ धरि आब और डराउ?

    जखन बचबा केर अछि उपाय

    कहाँ जाऊ, कोन ठाम पड़ाउ?

    हे अनागत प्रेयसी अज्ञात!

    हम कहै छी हृदयसँ बात

    करब हम निर्भय अहाँक सत्कार

    छी वरण करबाक हित तैयार

    आबि जाउ होय जहिया मऽन

    अछि समर्पण हमर तन मन धऽन

    हे हमर चिर प्रेयसी अज्ञात!

    स्रोत :
    • पुस्तक : हरिमोहन झा रचनावली खण्ड-4 (पृष्ठ 81)
    • रचनाकार : हरिमोहन झा
    • प्रकाशन : जनसीदन प्रकाशन
    • संस्करण : 1999

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY