Font by Mehr Nastaliq Web

अकादारुन

akadarun

निक्की प्रियदर्शिनी

और अधिकनिक्की प्रियदर्शिनी

    अकादारुन : राति

    पिता द्वारा मूल्य द’ क'

    क' देल गेल छैक दान

    मन्दिरक दनपेटी मे

    पड़ल कतेको टाका

    ओ रहैत छैक लावारिस

    लागल छैक ताला

    आ कुंजी छैक हाथ मे

    धर्मक ठेकेदारक

    इच्छा नहियो रहैत

    ओहि पेटी मे पड़ल टाका सँ

    कीनल जाइत छैक

    रंग-बिरंगक वस्त्र-आभूषण

    आ सजाओल जाइत छैक

    सुन्दरतम मूर्ति जकाँ

    कोबरा घर मे बैसल ओहि बेटी केँ

    भ' गेल अछि प्रात

    भोग-विलासक लेल तैयार

    पूछल नहि गेल ओकरा

    कोनो बात-विचार

    पठा देल गेल

    पोटरी मे बान्हल

    ओहि सनेस जकाँ

    जेना चंगेरा केँ पोटरी बनाय

    बान्हल अछि

    टिकरी, खाजा, बालुशाही

    अपना भीतरक सभ

    उन्माद आ इच्छा केँ दबौने

    बिजली जकाँ छिटकबैत दाँत

    ओहि नव आंगन मे

    राति हेबाक डर पैसल

    आँखि मे मोने छैक

    ओ नोचब ओ घीचब

    तैयो समेटि अपना भीतरक

    हाहाकार आगि केँ नितदिन

    अयना लग ठाढ़ होइत

    आ लगबैत माथ मे जखन सिन्दूर

    सोझाँ नाचय लगैत छैक

    ओ अकादारुन राति

    ओहि अकादारुन रातिक घमासान!

    अकादारुन : इच्छा

    झरैत मेघ उत्तेजित अछि

    कामोत्तेजनाक आगि

    पसरल सभतरि

    नहि क' पाबि रहल छनि शांत

    ओकरा ब्लिजार्ड

    गुलाबक फूल जकाँ

    सभ उम्र केँ

    तोड़बाक रखने छथि इच्छा

    रूटलेस सन घुमैत

    स्ट्रीट डॉग सँ बदतर

    जीवन जीबाक लेल

    बाध्य बनौने छथि अपना केँ

    कलयुगक भोक्ता लोकनि

    जकरो भ' गेल छैक जियान

    अपना भीतरक कस्तूरी

    ओकरो गमक सँ

    झनकि जाइत छनि

    हुनक विकृत मोन

    ओकर गमक लेल

    निकलैत अछि जखन ओ

    उन्मादी शिकारी जकाँ

    राग-द्वेष, ऊँच-नीचक

    रत्तीओ भरि नहि रहैत छनि

    कोनो ज्ञान

    कोनो विचार

    मात्र रखने छथि अपना भीतर

    ओकरा भोगि लेबाक

    अकादारुन इच्छा।

    अकादारुन: दुख

    कोनो सुनामी सँ पहिने

    निश्चय अनुभव करैत होयत समुद्र

    एकटा हमरे सन बेचैनी

    रामक तीर मे आब कहाँ छनि दम

    ओ त' परास्त छथि स्वयं

    रावणी दम्भक सोझाँ

    बेचैनी सँ उठैत नव उन्माद

    बना रहल छै प्रबल

    विनाशक ओहि आवेग केँ

    आच्छादित क' रहल छैक

    बड़वानल केँ

    उठैत छैक घमासान

    मोन आ मस्तिष्कक बीच

    होयत की फेर महाभारत!

    मुदा एहि बेर नहि हेतीह द्रौपदी

    तकर कारण

    आब सक्षम छथि ओ

    अपना केँ नहि बनओती

    कोनो युद्धक कारण

    आबि जाओ बरू कतबो

    अकादारुन दुख

    लागि जाओ बरू

    कतबो दुःखक अमार।

    अकादारुन : निर्वाह

    धर्मक निर्वहन मात्र युधिष्ठिर नहि कयलनि

    ओ त' एखनो स्त्री क' रहल अछि

    पिताक लेल

    भाइक लेल

    मित्र लेल

    पुत्र-पुत्रीक लेल

    एकयुगक उदाहरण एखन धरि प्रचलित

    मुदा सभ युग मे कयल गेल जे निर्वाह

    छैक कहाँ ओकर कोनो चर्च!

    हमरे दुआरे, हमरे चलते, हमरे सँ

    केओ जरूर हेतैक

    कतेक दिन चलतैक

    ई ‘अली-बे-ते-से'क एकरंगाह राग

    चिन्हौक गृहपति केँ

    प्रजापति कहौनिहार

    बड़का-बड़का बुधियारिक मठाउत बन्हने

    कलयुगी पुरखाहक

    अकदारुन पुरखौत।

    अकादारुन : रीति

    की छैक विडम्बना!

    जखन भगवती पर फूल चढ़यबाक लेल

    नहि छैक कोनो हाथ शुद्ध

    लगैत छैक अशौच

    जन्माशौच आकि मरणाशौच

    ओ बियाहलि धियाक फूल

    कोना छैक योग्य

    जे समयक घिरनी मे पिसाइत

    जाँतक कीलक सँ लगक अन्न जकाँ

    सटल अछि एखनो जन्मदात्रीक संग

    खाइत ओकरे

    सोचैत ओकरे

    जोगैत ओकरे

    छैक तैयो वैह शुद्ध

    मात्र पूजाक लेल

    अंधयुगक ई अकदारुन रीति

    भोंकैत रहैत छैक ओकरा

    जेना फाटल केँ सीबैतकाल

    खच द' गड़ल होइक

    छोटकी सुइयाक नोंक

    बहुत काल धरि

    रहैत अछि टिहकैत

    ओ सोचैत रहैत अछि

    समाजक एहि अकदारुन रीति संग

    भोगैत रहैत अछि अकदारुन टीस।

    स्रोत :
    • पुस्तक : अकादारून (मैथिली कविता-संग्रह) (पृष्ठ 12)
    • रचनाकार : निक्की प्रियदर्शिनी
    • प्रकाशन : नवारम्भ, पटना/मधुबनी
    • संस्करण : 2025

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY